बिहार क पहिल हेल्थ एंड वेलनेस सेंटर दरभंगा क कंसी सिमरी मे बनल

दरभंगा । बिहार  क पहिल हेल्थ एंड वेलनेस सेंटर दरभंगा क कंसी सिमरी मे बनिके तैयार अछ।  स्वास्थ्य मंत्री श्री मंगल पांडेय बृहस्पति दिन एकर विधिवत उद्घाटन कयलन्हि। एकर शुभारंभ क पश्र्चात माननीय मंत्री दरभंगा डीएम सीएच अस्पताल मे आधुनिक सिटी स्कैन आ MRI मशीन क उद्घाटन कयलनि।सभा केँ संबोधित करैत श्री पांडेय कहलनि जे एहि दूनू मशीन क कतेको दिन से माँग कयल जाइत छल जे आई पूरा भेल। सिटी स्कैन आ एम आर आई मशीन से जाँच शुरू भेला सँ आब रोगी सबकेँ आसानी होयतैन्ह।
मौका पर उपस्थित दरभंगा क विधायक श्री संजय सरावगी कहलनि जे हुनक प्रयास से प्रथम हेल्थ आ वेलनेस सेंटर क निर्माण दरभंगा मे कयल गेल अछि। ओ जनौलन्हि जे केंद्र आ राज्य सरकार सम्मिलित रूपेँ मिथिला क्षेत्रक विकास हेतु प्रतिवद्ध अछि।  पूर्व विधायक श्री गोपालजी ठाकुर श्री पांडेय केँ पाग, तौनीआ मखान क माला सँ सम्मानित कयलन्हि।  श्री ठाकुर कहलनि जे पहिनहि वो अपने आ केवटी क पूर्व विधायक डॉ अशोक यादव संयुक्त रूपेँ स्वास्थय मंत्री केँ ज्ञापन दय डीएमसीएच क विषय मे कहने छलाह।  मंत्री श्री पांडेय दरभंगा आयुर्वेद काॅलेज क सेहो निरीक्षण कयलन्हि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments