आय से शुरू भेल फिल्म क महाकुंभ लेल एंट्री

फि‍ल्‍मक महाकुंभ कोशी फिल्‍म फेस्‍टि‍वल सीजन 2 लेल एंट्री शुरू भए गेल अछि । ऑनलाइन माध्‍यम से होएत फिल्‍मक एंट्री 30 सितंबर धरि चलत । अक्‍टूबरक अंतिम सप्‍ताह मे होएत फिल्‍म फेस्‍टिवल ।

0
259

 

सहरसा । कोशी फिल्म फेस्टिवल सीजन 2 क लेल फिल्मक आधिकारिक एंट्री 15 जून, 2019 स शुरू गेल जे 30 सितंबर तक चलत । एहि बेर विदेशी आर देशी भाषा क संग-संग स्थानीय भाषाक सेहो तरहीज देल जाएत । मुदा शर्त खाली एतबे जे फिल्म क सबटाइटल हिंदी मे होए । एहि बातक जानकारी कोशी फ़िल्म फेस्टिवल कए टेक्निकल टीमक सुनील कुमार देलथि ।

पत्रकार कए बताबैत टीमक मीडिया प्रभारी श्री दीपक कुमार कहलाह जे कोशी फ़िल्म फेस्टिवल सीजन 2 क सफलताक तैयारी मे एहि साल हम शुरूए जुटि गेल छी । हम कोशीक धरती पर फेर स फ़िल्म फेस्टिवल क सीजन 2 क लेल तैयारी कए रहल छी जे 2018 क आयोजन से बेहतर होएत । एहि बेर मुम्बई क कि‍छु नामचीन अभिनेता, लेखक आओर फ़िल्म समीक्षक सेहो एहि क हिस्‍सा बनत ।

फिल्म क चयन ज्यूरी क माध्यम से भेनाय अछि जाहि लेल ज्यूरी क टीम बनेबाक प्रक्रिया चलि रहल अछि । पिछलके बेर जेकां एहि बेर सेहो फिल्मक एंट्री http://filmfreeway.com/koshifilmfestival क माध्यम से लेल जाएत । फ़िल्म निर्माता वा निर्देशक अपन जीमेल खाते स एतय लॉगिन करि फिल्मक ऑनलाइन एंट्री कए सकताह । फिल्म सबमिट करबाक पश्चात फ़िल्मक सीडी/डीवीडी आ पेन ड्राइव हुनका निर्धारित पता पर भेजय पड़त । अधूरा अथवा एहन कोनो फिल्म पर विचार नहि कैल जाएत जे कोनो तरहेक धार्मिक अथवा सद्भावना कए ठेस पहुँचाएत । संगे अश्लील आऔर नग्नता कए बढ़ावा देनिहार फिल्मों पर सेहो विचार नहि कैल जाएत ।

ज्ञात होए कि पिछला साल कोशी क धरती पर पहि‍ल फ़िल्म फेस्टिवल क आयोजन बड्ड भव्य तरीका से भेल छल, एहि आयोजन मे देशक कैकटा नामी एक्टर, डायरेक्टर आओर प्रोड्यूसर भाग लेने छल । विभिन्न प्रकार क विधा से करीब सौ से बेसी फिल्म आएल छल, जाहि मे से चयनित 15टा फिल्म कए महोत्सव मे प्रदर्शित कैल गेल छल, एहि मे से विभिन्न कैटगरी क 10टा पुरस्कार क वितरण कैल गेल छल ।

एहि साल ई आयोजन अक्टूबर क अंतिम सप्ताह यानि दीवाली आओर छठ पर्व क बीच भेनाय तय भेल छल ताकि बाहर रहनिहार लोग सेहो एहि फेस्टिवल मे शामिल भए सकय जाहि क तैयारी मे टीम अखने से जुटि गेल छल ।

कोशी फिल्म फेस्टीवल सीजन 2 कोशी क्षेत्र में आयोजित होए बला एकमात्र फिल्म फेस्टीवल अछि । गत वर्ष क सफलता कए देखैत क्षेत्रक प्रबुद्ध लोग सहरसा ग्रुपक आह्वान पर पुन: एहि बेर एकरा जारी रखबाक सुझाव देने अछि । आशा अछि जे पिछला साल जेंका एहि साल सेहो ई आयोजन ओहि मुकाम कए छूअत जेकर स्वप्न सहरसावासी देखने अछि ।

कोशी फिल्म फेस्टीवल फेसबुक पर बनल सहरसा ग्रुपक पहल अछि, एहि आयोजन क द्वारा सिनेमा, समाज, आओर संस्कृति, रंगमंच, लोककला आओर लोकभाषा कए बढ़ावा देबाक प्रयास कैल जाएत । एहि मे सिनेमा क समाज तथा संस्कृति पर प्रभावक विभिन्न पहलू पर चर्चा हेबाक अछि । एहि समारोह मे कोशी क्षेत्रक चर्चित फिल्मी हस्‍तीक संगे कैकटा लोकप्रिय सिरियल आ शार्ट मूवी मे काज करनिहार तथा रंगमंच स जुड़ल कर्मी क संग-संग शहर क अन्य प्रबुद्ध वर्ग, युवा आ बुद्धिजीवी क समागम होएत ।

सहरसा ग्रुप क संचालक कुमार रविशंकर बतेलथि जे कोशी फिल्म फेस्टिवल मे सिनेमाक संग-संग संस्कृति आ स्थानीय कलाकारों कए सेहो बढ़ेबाक लेल एकटा पैघ मंच प्रदान कैल जाएत । ओतहि एहिमे एकटा सत्र सहरसाक विकास से जुड़ल मुद्दा पर सेहो आधारित होएत । ओ कहलाह जे एहि बेर ग्रामीण क्षेत्र से सेहो प्रतिभा कए मौका देल जाएत एहि क लेल प्रत्येक प्रखंड से एकटा संयोजक बनाओल जा रहल अछि ।

Comments

comments