प्रत्येक शनि मनाओल जायत हेलमेट दिवस

मधुबनी । जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक पत्र क मायम से सब अनुमंडल पदाधिकारी, सब अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी,सब थानखध्यक्ष के प्रत्येक  शनि दिन हेलमेट डे क रूप मे विशेष अ भियान चला के हेलमेट पहिरबाक जाँच केनाई आ  एकर अनुपालन सख्ती से सुनिश्चित करबा क निदेश देल अछि।
जिला पदाधिकारी पत्र द्वारा सब फदाधिकारि के निदेश देलैन अछि जे माननीय सर्वोच्च  न्यायालय द्वारा सड़क सुरक्षा पर गठित कमिटी द्वारा हेलमेट धपहिरवा क अनिविर्यता क संबंध मे समीक्षा कयल जा रहल अछि। उल्लेखनीय अछि जे वगत वर्ष मे हेलमेट नहि पहिरबा क कारणे कतेको सड़क दुर्घटना मे दू पहिया वाहन चालक वा सवार क मृत्यु क घटना भेल अछि थकरा रोकबा लेल आवश्यक अछि जे गुणवत्तापूर्ण हेलमेट क व्यवहार चालक आ सवार दुनू करथि।  राज्य परिवहन आयुक्त विहार, पटना क पत्र  संख्या 25- 05 -2018 क उल्लेख करैत बजलाह जे प्रत्येक शनि दिन हेलमेट डे क रूपेँ  विशेष  अभियान चलाके हेलमेट पहिरबाक जाँच सख्ती से कैल जाय आ एकर अनुपालन सुनिश्चित कयल जाए एतत्संबंधी प्रतिवेदन प्रत्येक सप्ताह जिला पदाधिकारी के उपलब्ध कराओल जाए जाहि सँ समेकित प्रतिवेदन परिवहन विभाग विहार, पटना  के उपलब्ध कराओल जा सकय ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here