पटना मे सेहो चलत इलेक्ट्रिक बस, धुआं स भेटत निजात

समदिया 
पटना  ।  राजधानी केर स्मार्ट बनेबाक विमर्श प्रारम्भ भ’ चुकल अछि। स्मार्ट सॉल्यूशन द्वारा इंटिग्रेटेड कमांड एंड कंट्रोल सेंटर केर स्थापनाक लक प्रमंडलीय आयुक्त केर  अध्यक्षतामे द्वितीय  प्री-बिड मीटिंग आयोजित भेल। जाहिमे देश -विदेशक 20 सँ बेसी कम्पनीक प्रतिनिधि सहभागी भेलैक। 30 इलेक्ट्रिक बस चलाबय आऔर 11 सैय सीसीटीवी लगाबय केर निर्णय लेल गेलैक।
स्मार्ट सिटीकेन अंतर्गत शहर के’ नागरिक सभक शिकायत दूर करबाक लेल एक गोट कॉल सेंटर बनाओल जाएत। ई कमांड एंड कंट्रोल सिस्टम सँ जुड़ल रहत। अहिठाम आबय बला सभ शिकायत पर तुरन्त कारवाई करैत नागरिक सभक दिकदारी दूर कएल जाएत।
संगहि स्मार्ट स्ट्रीट-लाइट, पर्यावरण केर जानकारी हेतु सेंसर, निस्सन कचरा प्रबंधन, वाटर स्काडा, पार्किंग धरि सेहो अहि सिस्टम सँ जोड़ल जाएत। बैसारमे भाग लेबS बला कम्पनी सभक प्रतिनिधि सभसँ प्रमंडलीय आयुक्त 26 मई धरि इंटिग्रेटेड कंट्रोल एंड कमांड सेंटर के’ टेंडर डॉक्यूमेंट ई-प्रोक्योरमेंट पोर्टल केर माध्यम सँ जमा कराओल जाएत।
स्मार्ट सिटी योजना के अधीनस्थ शहरमे 11 सैय सीसीटीवी लगाओल जाएत। अहिसँ शहरक सभ गतिविधि पर सोझासोझी नजरि राखल जा सकत। यातायात नियमकें उल्लंघन, कोनो आपराधिक घटना किंवा दुर्घटनाक सेहो अहिमे आसानी सँ देखल जाएत।
यातायात नियम तोडS बला पर जरिमानाक रसीद सोझे  वाहन मालिक केर घर पहुँचाएल जाएत। आपराधिक घटना सभमे संलिप्त व्यक्तिक पहचान सेहो आसानी सँ भ’ सकत। पर्यावरण प्रदूषण केर कमतर करय लेल 30 इलेक्ट्रिक बस सेहो चलाओल जाएत जे कमांड एंड कंट्रोल सिस्टम सँ जुड़ल रहत। एकर सभ तरहक गतिविधिक जानकारी नियंत्रण कक्ष सँ भेटैत रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here