एहि सुध मे बेसुध केलक ‘प्रियतम हमार प्रियतम हमर’

0
183

जितेंद्र नाथ जीतू
मुंबई । एक दिस मिथिला मे जबर्दश्‍त सुध(लगन), दोसर दिस वैलेंटाइन डे क अवसर। मैथिली युवा सब के ध्यान में रखैत यूट्यूब पर जारी गीत प्रियतम हमर, प्रियतम हमर सामस्‍त मिथिला कए बेसुध केने अछि। 15 तारीख कए अदभुत लगन डल। विवाह, जनउ, मुंडन आ घरवास क बीच लोकक हाथ मे मोबाइल पर बजैत इ गीत एकर लोकप्रियताक सबूत कहल जा सकैत अछि।
उल्‍लेखनीय अछि जे ई गाना मैथिली सिनेमा सजनवा के आगन में सोलह श्रृंगार क नायक राहुल सिन्हा पर पिक्चराइज कैल गेल अछि। ख़ास बात जे एही गाना में नायक राहुल क संग जे नायिका छथिन से हुनकर पत्नी तृप्ति नाडेकर। तृप्ति नेपाली सिनेमा क जानल – पहचानल अभिनेत्री छथि। एही गीत में आ एकर वीडियो में एही बात के विशेष ध्यान राखल गेल अछि जे इ गीत सब के पसिन अबै आ कतो सं अश्लील नहि लागै किएक त अखन मिथिला में भोजपुरी क डबल मीनिग क नक्शेकदम पर मैथिली में सेहो कतेक रास गीत सब बनि रहल अछि।
जेनरेटर क साउंड जेना होइत अछि तहिना उचक्का म्यूज़िक क शोर में पूरा मिथिला डूबल अछि। एहि परिपाटी के चलनिहार संगीत क महान मर्मज्ञ लोकनि एक तरह सं मैथिल युवा सबहक टेस्ट के बरबाद केलननि आ चालाकी से अफ़ीम जकां एहि उचक्का गीत–संगीत के लत लगाओल। उदाहरण के रूप में कुनो समारोह देख लिय आ गायकक ई बयान जे मिथिला में डबल मीनिग भोजपुरी गीत लोग सुनैत अछि, त हम ओ फूहड़ता मैथिली में परोसब। आब एहि समय में किछु नीक गीत सेहो आबी रहल अछि जेना वैलेंटाइन डे क अवसर पर यानी 14 फरवरी कए गीत आयल प्रियतम हमर..।
एहि एल्‍बम मे दिगम्बर झा दिनमनी क गीत अछि आ संगीतकार छथि प्रवेश मल्लिक। प्रवेश मैथिली गीत संगीत मे नव् नव प्रयोग क लेल जानल जाईत छथि। एहि गाना क वीडियो एल्बम क निर्माण क कांसेप्ट और डिजाइन सेहो प्रवेश जीक छनि आ सिनेमेटोग्राफर छथि विजनंदन कुमार एडिटर, अमर झा प्रोडक्शन मैनेजर। एहि एलबम क निर्माण मे ऋषी झा आ पीमपी क्रिएटिव टीम आ शशि वर्मा क विशेष योगदान अछि।

Comments

comments