पर्यटनक विकास पर खर्च होइत 30 करोड़

पटना। प्रदेश मे पर्यटक कए आकर्षित करबा लेल सरकार पर्यटन स्थल क विकास पर 30 करोड़ टका खर्च करय जा रहल अछि। पर्यटन विभाग क अनुसार चालू वित्तीय वर्ष मे पर्यटन विकास क लेल 25.13 करोड़ क योजना उद्व्यय छल, जेकरा अगिला वर्ष क लेल बढ़ा कए 29.78 करोड़ करि देल गेल अछि। नव वर्ष मे एहि राशि स बराबर पहाड़ी क विकास, केसरिया क विकास, अरेराज रामपुरवा, गोपालगंज क नकटो भवानी मंदिर, सारण क राजा मकरध्वज किला आ परिसर क विकास कैल जाइत। संग ही शिवहर क देवकुली धाम, वैशाली क बाबा गणिनाथ पलवैया धाम, सीवान क मेंहदार मे महेन्द्र नाथ मंदिर आ पोखर आ मधुबनी मे विद्यापति क जन्म स्थल कए विकसित कैल जाइत । जयप्रकाश नारायण क जन्मस्थली सिताबदियारा, बक्सर क चौसा मैदान, ककोलत, सुल्तानगंज, पर्यटन कम्पलेक्स भागलपुर क लेल सेहो काज कैल जा रहल अछि।
विभाग क अनुसार भारत सरकार क मदद स बोधगया मे फूड क्राफ्ट इंस्टीच्यूट क स्थापना, वैशाली क समेकित विकास, लौरिया क नंदन गढ़, बोधगया क प्रागबोधि पर्वत, एतहि सुजाता कुटीर, सोनपुर मेला क्षेत्र आ विक्रमशिला क विकास संबंधी योजना कए पर्यटन मंत्रालय क स्वीकृति भेट चुकल अछि। एकर क्रियान्वयन क कार्रवाई कैल जा रहल अछि। एहि दिस पर्यटन विकास निगम पर्यटन स्थल क लेल दैनिक आ साप्ताहिक टूर प्रोग्राम, निगम क विभिन्न होटल मे ऑन लाइन रिजर्वेशन सुविधा, कंप्यूटराइज्ड टिकट बुकिंग आदि क काज करबा मे लागल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
    समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
    लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।

Comments are closed.