अविस्वसनीय, मुदा सच

23ed-edition copy
कहल जाइत अछि भोरक सपना सच होइत अछि, कम-स-कम बिहारक लोक त इ आब मानय लागल अछि। एक-एक करि सबटा सपना पूरा हुए लागल। पटनाक सरकार गाम तक पहुंच गेल। जिलामुख्यालय स दूर भ चुकल गाम एकाएक राज्य सचिवालयक परिसर बनि गेल। बीडीओ से भेंट करबा लेल सदियों स बाट तकैत समाजक दुहारि पर भोरे-भोर खुद ‘सरकार पहुंच गेलाह। बिहार मे जे किछु भ रहल अछि, ओ अविश्वसनीय अछि, मुदा सच अछि। बिहार आइ बीमारू राज्य नहि अछि। बिहार मे आइ सरकार आ जनताक बीच दूरी नहि अछि। बिहार मे आइ शहर आ गाम दूनू सपना देखबा लेल तैयार अछि। विकास लेल छटपटाइट बिहार क जनता लए इ सबस पैघ सकूनक गप अछि जे इ छटपटाहट मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मे सेहो देखबा मे आबि रहल अछि। ओ सहो बिहारक एकटा आम लोक जेका विकास लेल भूखल छथि।
अपने लोकनि कए स्मरण होइत समादक पाचम संस्करणक तेसर पन्ना। ‘एकटा रिपोर्ट जे लिख नहि सकलहुÓ मे पिछला साल समाद इ स्पष्टï कए देने छल जे बिहारक विकास मे सबस पैघ बाधक भ्रष्टïाचार अछि। खास कए बीडीओ स्तर पर इ लाईलाज भ चुकल अछि। नीतीश कुमार अपन विकास यात्रा क दौरान इ साफ तौर पर पउलथि जे बिहार मे भ्रष्टïाचार क रोग लाईलाज भ चुकल अछि। ओ एकर खिलाफ जंगक एलान कए देलथि अछि। ओना देखि त बिहार मे भ्रष्टïाचार कोनो नव नहि अछि। दशकों स इ बिहार कए अपन गिरफ्त मे केने अछि। आइ हमरा इ भयावह एहि कारण स लागि रहल अछि, किया कि बाकी सब या त खत्म भ गेल या फेर कमजोर भ गेल अछि। बिहार स अपराधक संबंध सेहो पुरान अछि। किछु लोक कहैत छथि जे अपराध त एखनो होइत अछि। सवाल अछि अपराध त होइत आ होइत रहत, मुदा अपराध जे फैशन भ गेल छल ओ आब खत्म भ गेल। बिहारी युवा क आदर्श आब ओ अपराधी प्रवृतिक लोक नहि छथि, जिनकर घर आइ-काल्हि जेल भ चुकल अछि। सवाल अछि जे बिहारी युवाक मानस केना बदलल। ओकर आदर्श केना बदलि गेल। इ नहि त कोनो जादू भेल आ नहि कियो टोना केलक। इ एक-एक गोटेक प्रयास अछि। आ सबस पैघ पुनर्जीवित होइबाक लालसा।
पिछला किछु साल मे बिहार मे इ देखबा मे आइल जे शहर स गाम तक जे विचार मे जड़ता आबि गेल छल, ओ खत्म भ रहल अछि। अधिकारी वर्ग जे सामज कए ‘अपडेटÓ करबाक काज छोडि़ देने छलाह, ओ बिहार स बाहर गेल मजदूर करय लागल। धीरे-धीरे गाम तक इ गप पहुंच गेल जे हम पछुआ गेलहुं। आन राज्य आगू बढि़ गेल। इ संदेश पिछला 15 साल स कियो नहि द रहल छल। पूरा बिहार स्थिर छल। ओकरा हकीकत भ चुकल बहुत चीज सपना लगैत छल। चाहे ओ चारि लेनक सड़क हुए या शौपिंग मॉल। एहि बीच जखन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन विकास यात्रा शुरू केलथि त ठमकल जल जे दूषित भ चुकल छल ओहि मे प्रवाह आइल आ पूरा समाज हुनकर सामने जागृत भ गेल। समाज कए ‘अपडेटÓ करबा मे लागल ओ तमाम लोकनि कए एकटा एहन शक्ति भेटल जेकर आशा कियो नहि केने छल। सवाल इ अछि जे समाज कए ‘अपडेटÓ करैय वाला पहिने नहि छल? पहिने सेहो छल, मुदा हमर-अहांक चारूआत पसरल भ्रष्टïाचार रूपी कुसंस्कृति क आगू दबि गेल छल। आब हिनकर संख्या बढ़त आ इ एकटा नव जोश स समाज कए बदलबा मे जुटताह। जखन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हिनका सबहक बीच अएलाह, त पूरा समाज विकास क नव रूप देखलक, समाज मे एकटा नव आश जगल, हम सब विकास क पटरी पर दौड़ लगेबा लेल तैयार हुए लगलहु। लोग-वेद मे सब दिस विकासक चर्चा होए लागल। किछु दिन पहिने क गप अछि, जखन हमर सबहक अपराध, भ्रष्टïाचार आ पता नहि कि-कि आओर सुनइ कए भेटैत छल, मुदा आई सब दिस केवल आ केवल विकासक चर्चा सुनबा मे आबि रहल अछि। विकास ओहन, जेकरा लेल हम सब सपना मे सेहो नहि सोचि रहल छलहुं। ओ गाम, जे सड़क स पूरा कटल छल, आई ओ गाम चारि लेनक सड़क से जुडि़ गेल अछि।
पिछला किछु माह स राजनीतिक स्तर पर जे एकजुटता देखबा मे आइल ओकर पाछु सेहो आम जनता छल। लालू, नीतीश आ पासवान आब बिहारक स्तर पर अलग-अलग राग नहि राखि सकैत छथि। जनताक स्पष्टï राय अछि जे राज्यक विकास लेल तीनू नेता एकजुट भ जाउ। आगामी लोकसभा चुनाव मे सेहो इ एकटा प्रमुख मुद्दा बनत। बिहार आब अपन चिंता करैत अछि। बिहार मे नीतीश कुमार अपन नीति स्पष्ट कए चुकल छथि। ओ केंद्र मे राजनीति नहि करताह। ओ पूर्णरूप स बिहार मे राजनीति कए एकटा इतिहास लिखबाक काज केलथि अछि। कहबाक तात्पर्य इ अछि जे बिहार मे राज्य स्तरक नेता आइ धरि राष्टï्रीय राजनीति करैत छल, मुदा आइ राष्टï्रीय स्तर पर राजनीति क चुकल नीतीश कुमार राज्यस्तर पर अपना कए स्थापित कए चुकला अछि। इ बिहार लेल सबस पैघ गप अछि। कनि स्मरण करू बाबूजगजीवन राम कए, जे बिहार स राजनीतिक यात्रा शुरू केलक बाद पंजाब आ हरियाणाक स्तंभ भ गेलाह आ ओहि ठाम ‘बाबूजीÓ नाम स प्रसिद्घ भ गेलाह। बाबूजीक कृपा एहन रहल जे हरियाणा देशक विकसित राज्य बनि गेल। श्रीकृष्ण सिंह स लालू प्रसाद तक सब अपना कए राज्य स बाहर निकालबाक प्रयास मे रहल। इ अलग गप अछि जे किछु अपबाद सब ठाम रहैत छैक। बिहार कए केंद्र मे राखि राजनीति करबाक नीतीश कुमारक नीति हुनका कान नेता स अलग करि रहल अछि। इ कोनो दिस स उपराष्टï्रवाद या क्षेत्रवाद नहि अछि। इ ओ राजनीति अछि, जे वंशीलाल, ज्योति बसु आ चंद्राबाबू सन नेता करैत एलथि अछि।