इस्ट जोन विमेन्स क्रिकेट प्रतियोगिता दरभंगा मे

दरभंगा। खेल प्रेमी सब लेल नीक समाचार जे एहिबेर पुन:एल एन एम यू विभिन्न खेल प्रतियोगिता क आयोजन करय जा रहल अछि। इंडियन एसोसियेशन ऑफ यूनीवर्सिटी स्पोर्टस बोर्ड एहि हेतु अपन स्वीकृति द देकर अछि। खेल कैलेंडर मे एल एन एम यू क पूर्वी क्षेत्र अंतर विश्वविद्यालय क्रिकेट प्रतियोगिता ( महिला) आ पूर्वी क्षेत्र अंतर विश्वविद्यालय यूथ फेस्टिवल क आयोजन क जिम्मा देल गेल अछि। एकर अतिरिक्त अंतर विश्वविद्यालय तरंग प्रतियोगिता क आयोजन  एल एन एम यू करत।
बुध दिन एकर जानकारी प्राप्त होइतहिं विश्वविद्यालय क खेल विभाग में प्रसन्नता व्याप्त भ गेल एवं अधिकारी कर्मचारी सबहक उत्साह बढ़ि गेल। उल्लेखनीय अछि जे पछिला मास विश्वविद्यालय कतेको खेल सब आयोजन करबाक प्रस्ताव एआईयू लग रखने छल जाहि मे तीन प्रतियोगिता कआयोजन करबाक  स्वीकृति भेटलैक।  हैंड बॉल( पुरुष) क आयोजन क जिम्मा वीर कुवँर सिंह विश्वविद्यालय,आरा  एवं एकलब्य क आयोजन हेतु मगध विश्वविद्यालय अधिकृत कयल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here