ईज ऑफ डूइंग बिजनेस क सूची मे बिहार नंबर वन

प्रधान समदिया
पटना । कारोबार शुरु करबा लेल बिहार देश क सर्वश्रेष्ठ राज्य बनि गेल अछि। ईज ऑफ डूइंग बिजनेस क सूची मे बिहार कए नंबर वन स्थान भेटल अछि। पिछला साल क अंतिम रैंकिंग मे बिहार 21म स्थान पर छल। एखन ओ 8.53 स्कोर क संग शीर्ष पर अछि।
औद्योगिक नीति एवं संवर्धंन विभाग (डीआईपीपी) क एहि सूची मे तेलंगाना दोसर आ झारखंड तेसर स्थान पर अछि। टॉप 5 मे शामिल अन्य राज्य अछि मध्य प्रदेश आ कर्नाटक। पिछला साल पहिल स्थान पर रहल गुजरात छठम नंबर पर आबि टॉप 5 स बाहर भ गेल अछि।
डीआईपीपी  बिजनेस रिफॉम्र्स आ एक्शन प्लान क आधार पर इ सूची बनेलक अछि। एखन धरि 16टा राज्य अपन सुधार क जानकारी देलक अछि। जाहि मे बिहार सबस बेसी 29टा डेग उठेलक अछि।  पिछला साल 91 मानक क आधार पर रैंकिंग भेल छल, एहि साल 340 मानक राखल गेल अछि।
डिपार्टमेंट ऑफ इंडस्ट्रियल पॉलिसी एंड प्रोमोशन मे बिहार कए पहिल स्थान भेटब बिहार क आर्थिक विकास क एकटा पैघ उपलब्धि थीक। पिछला एक साल मे नीतीश सरकार कुल 29टा प्रशासनिक सुधार क बिहार मे व्यापार करब सबस सुभितगर बना देलक अछि।
वल्र्ड बैंक क एकटा अधिकारी क कह अछि जे हम रैकिंग जारी करबा मे कनि समय लैत छी, किया कि हम सुनिश्चित करै चाहैत छी जे राज्य जे डेग उठेबाक दावा केलक अछि ओ केतबा प्रभावर भेल। वर्ल्‍ड बैंक क रैंकिंग कए राज्य सब बहुत गंभीरता स लैत अछि। डीआईपीपी आ विश्व बैंक जुलाई मे फाइनल रैंकिंग तैयार करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments