आब गाम-गाम मे सेहो उठायल जाएत कचड़ा

0
123

पटना । शहरक बाद आब बिहार क गाम मे डोर-टु-डोर कूड़ा क उठाव होएत । संगे नालीक नियमित रूप से सफाई सेहो होएत । एहिक लेल पंचायती राज विभाग क प्रधान सचिव अमृत लाल मीणा शनिदिन सभटा जिलाधिकारी कए निर्देश देल गेल अछि ।  पंचायती राज विभाग क अनुसार राज्यक सभटा गाम मे घरे-घर कूड़ाक उठाव होएत । गीला आ सूखा कचड़ा अलग-अलग रखबाक व्यवस्था कैल जाएत । फेर एहिक प्रसंस्करण करि‍ वर्मी कंपोस्ट तैयार कैल जाएत ।

प्रधान सचिव जिलाधिकारी कए लिखल चिट्ठी मे कहलाह जे सभटा ग्राम पंचायत क वार्डों मे दू अक्टूबर, 2019 धरि हरेक घर से गीला आओर सूखा अपशिष्ट (कूड़ा) क संग्रहण आओर ओकर पृथकीकरण क व्यवस्था शुरू कराओल जाएत । बता दी जे अखन शहरे टा मे घरे घर कचरा क उठाव भए रहल अछि ।

गाम मे कचड़ा उठेबा क लेल दू वार्ड पर एकटा गाड़ी क व्यवस्था होएत, जेकर संचालन संयुक्त रूप से दुनू वार्ड क स्वच्छता कर्मी करताह ।  संगे कूड़ा रखबाक लेल डस्टबीन क सेहो व्यवस्था सेहो कैल जाएत । हरेक गाम मे पंचायत दिस से निर्धारित स्थल पर वर्मी कंपोस्ट इकाई बनाओल जाएत । ई काज जीविका संगठन से कराओल जाएत ।

जों जीविका तैयार नहि‍ होएत त ग्राम पंचायत दिस से आउट सोर्सिंग दिस से निजी एजेंसी क माध्यम से ई काज कए अंजाम देल जाएत । एहिक लेल ग्राम पंचायत आम सहमति से स्वच्छता शुल्क सेहो वसूल सकैत अछि ।

निर्देश मे कहल गेल अछि जे संग्रहित कूड़ा से बननिहार वर्मी कंपोस्ट क उपयोग वा बिक्री पंचायत अपन संस्था क संसाधन वृद्धि क लेल कए सकताह ।  एहि‍ काज पर आबय बला खर्चा क वहन ग्राम-पंचायत अपन संसाधन से करत । 14वें वित्त आयोग आओर पंचम राज्य वित्त आयोग क अनुदान क राशिक उपयोग सेहो करि सकत ।

Comments

comments

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here