दूनू हाथ स टका बटनिहार पप्‍पू यादव सेहो खर्च नहि क सकलाह सांसद निधिक राशि

0
60

समदिया
सहरसा । बिहार क ईटा सांसद अपन सरकारी फंड क पूरा उपयोग पांच साल मे नहि क सकलाह। राज्य क 40टा सांसद कए जेतबा फंड भेटल, ओकर दस फीसदी राशि बचि गेल, खर्च नहि भ सकल। कुछेक सांसद क त पांच करोड़ स अधिक राशि बचल अछि। हुनकर हिस्सा क 20 फीसदी अछि।
चुनाव आचार संहिता लागि गेल। एहन मे आब ओ राशि खर्च नहि भ सकैत अछि। सांसद आब कोनो अनुंशसा नहि क सकताह। जे सांसद अपन कोटाक राशि नहि खर्च क सकलाह ओ की विकास करताह। उल्‍लेखनीय अछि जे सांसद फंड क निगरानी बिहार मे योजना एवं विकास विभाग करैत अछि। लोकसभा क वेबसाइट पर एकर ब्योरा जारी होइत अछि। हरेक सांसद कए सब साल पांच-पांच करोड़ सांसद निधि मे भेटैत अछि। बिहार क 40टा सांसद कए पांच साल मे एक हजार करोड़ भेटल। 15वीं लोकसभा क किछु राशि बचबाक कारण वर्ममान सांसद सब कए 1012 करोड़ भेटल।
छह मार्च तक बिहारक सांसद कुल 822 करोड़ खर्च केलथि आ 131 करोड़ बचल अछि। सबस बेसी राशि राजीव प्रताप रूडी क 15 करोड़ त सबस कम राशि सुशील सिंह क 25 लाख बचल अछि।

कौन सांसद क कोष मे केतबा बचल राशि

1- राजीव प्रताप रूडी-15.60 करोड़

2- तारिक अनवर-5.01 करोड़

3- सतीश चंद्र दूबे- 5.42 करोड़

4- भोला सिंह (दिवंगत) -3.27 करोड़

5- महबूब अली कैसर- 2.97 करोड़

6- हरि मांझी-3.58 करोड़

7- कौशलेन्द्र कुमार-3.95 करोड़

8- चिराग पासवान-2.50 करोड़

9- रामकुमार शर्मा-4.84 करोड़

10- राधामोहन सिंह- 4.03 करोड़

11- अजय निषाद-2.59 करोड़

12- डॉ. अरुण कुमार- 5.70 करोड़

13- रमा देवी- 4.27 करोड़

14- संतोष कुमार- 5.21 करोड़

15- जयप्रकाश नारायण यादव-4.86 करोड़

16- बुलो मंडल- 3.67 करोड़

17- पप्पू यादव-3.80 करोड़

17- रामकृपाल यादव-2.50 करोड़

18- रामविलास पासवान-2.67 करोड़

19- शत्रुघ्न सिन्हा-2.34 करोड़

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here