जिला पदाधिकारीक प्रखंड से वीडियो कान्फ्रेन्सिंग क शुरुआत

मधुबनी। शनि दिन जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक जिला क 17 प्रखंड एवं अनुमंडल स विडियो.कान्फ्रेन्सिंग क शुभारंभ कयलन्हि। जिला मे पहिल बेर जिला पदाधिकारी क अध्यक्षता मे विडियो.कान्फ्रेन्सिंग क माध्यम से अनुमंडल पदाधिकारी, प्रखंड पदाधिकारी आ अंचल अधिकारी सब से विभागीय काज सबहक समीक्षा कयल गेल। ध्यातब्य अछि.जे.विस्वान क माध्यम से जिला क सब अनुमंडल. प्रखंड आ  अंचल मे विडियो.कान्फ्रेन्सिंग हाल क स्थापना कयल.गेल अछि ।
जिला क 17 प्रखंड के अतिरिक्त प्रखंड मे तकनीकी कारण से विडियो.कान्फ्रेन्सिंग नहि भ सकल।
जिला पदाधिकारी  विडियो.कान्फ्रेन्सिंग क माध्यम से सब विभाग क कार्य क समीक्षा कएल आ पदाधिकारी सब के क्षेत्र भ्रमण कए कार्य में तेजी अनबाक निदेश.देल।  ओ जनौलन्हि जे पदाधिकारी सबहक उपस्थिति सहित सब काजक समीक्षा विडियो.कान्फ्रेन्सिंग क माध्यम से होयत जाहि सँ समय क बचत हेतैक। ओ अनुमंडल पदाधिकारी सब के अपन पदाधिकारी सब से विडियो.कान्फ्रेन्सिंग क माध्यम से समीक्षा करबा क निदेश देल जाहि सँ पदाधिकारी सब के बेर बेर जिला वा अनुमंडल जेबा क आवश्यकता नहि  होइन्ह आ अपन समय ओ काज करबा मे लगाबैथ।
जिला पदाधिकारी पूर्व सूचना क वावजूद विना अनुमतिये विडियो.कान्फ्रेन्सिंग से अनुपस्थित रहला क.कारणे प्रखंड विकास पदाधिकारी. रहिका से स्पष्टीकरण पूछबाक आ वेतन स्थगित रखबा क निदेश देल। एहि अवसर पर सुनील कुमार सिंह,अनुमंडल पदाधिकारी सदर ,मधुबनी, आलोक नन्दन सिंह, जिला सूचना विग्यान पदाधिकारी, मधुबनी उपस्थित छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments