प्रिंटिंग प्रेस क गलती स छपल विवादित नक्शा : अशफाक

समदिया
कटिहार । कटिहार मेडिकल कॉलेजक प्रास्पेक्टस संग संलग्न भारतक विवादित नक्शाक मामला तूल पकडि रहल अछि। मेडिकल कॉलेज निदेशक व राजद सांसद अशफाक करीम मिडिया क प्रश्न क.  जबाब दैत स्पष्ट कयल जे प्रेस क गलती एकर कारण अछि आ ई प्र्रिंटिंग एरर थीक, जकर सुधार लेल प्रेस कए पत्र लिखल गेल अछि। एक प्रश्न क उत्तर मे ओ स्पष्ट कैलाह जे कटिहार क लोकेशन दर्शाबय लेल प्रास्पेक्टसक संग नक्शा संलग्न कैल जाईत छै।
दोसर दिस नक्शा मे पीओके नहि दर्शाओल जेबाक मामिला मे बीडीओ किशोर कुणाल क बयान पर जाँचोपरान्त मेडिकल कॉलेज प्रबंधन क विरुद्ध मुफ्फसिल थाना मे एफआइआर 34 क धारा 153 बी 467 क अधीन प्रथम सूचना. कांड संख्या 102/18 दर्ज कराओल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here