एलईडी स जगमगायत दरभंगा शहरक बाट मोहल्ला

दरभंगा। विधायक सह विहार विधानसभा क प्राक्ल्लन समिति क सभापति संजय सरावगी जनौलन्हि जे भारत सरकार नेशनल एस एल एन पी एल ई डी प्रोग्राम क अन्तर्गत दरभंगा शहर 8872 एल ई डी बल्व क रोशनी से जगमगायत। शहर ख प्रत्येक पोल पर एल ई डी लाईट लगाओलखहि मे 110 वाट क दू हजार ,70 वाट क 3500, 45 वाट क 2500 आ 190 वाट क400 आधुनिक एल ई डी वैपर लाईट लागत जकरा आवश्यकतानुसार बढ़ाओल जायत। ओ विस्तृत रूपेँ जनौलन्हि जे   50 लाईट पर सेंट्रल कंट्रोल मानिटरिंग सिस्टम आ मीटर रहतैक।
श्री सरावगी जनौलन्हि जे भारत सरकार क कम्पनी ईसीसीएल एकर निविदा निकालि काज तुल्स्यान इन्टरप्राईजेज रांची  केआवंटित  कयलक अछि। जून क कन्तिम सप्ताह तक काज शुरू भ जायत जे चारि मास मे संपन्न होयत। एहि योजना क शुभारंभ राज्य नगर विकास मंत्री श्री सुरेश शर्मा दरभंगा आबि करताह।मेन्टिनेन्स काज सात वर्ष धरि एजेन्सी करत। विधायक कहलैन्ह जे देश क सब शहर के एल ई डी लाईट से जगमग केनाई प्रधानमंत्री श्री मोदी जी क महत्वाकांक्षी योजना अछि। एहि प्रोग्राम से विजली खपत सेहो कम होयत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here