दरभंगा क देवेन भारती बनल महाराष्ट्र एटीएस क नब चीफ

0
327

दरभंगाक देवेन भारती कए महाराष्ट्र सरकार आतंकवाद विरोधी दस्ते ( एटीएस ) का चीफ नियुक्त केलथि । श्री भारती 1994 बैचक वरिष्ठ आईपीएस अधिकारी क पद पर पहि‍ने से तैनात छलाह जिनका पिछला महिना ज्वाइंट सीपी, लॉ एंड ऑर्डर से ईओडब्ल्यू क पोस्ट पर चुनाव नियम क अनुसार पोस्टिंग कैल गेल अछि ।

श्री भारती ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क पीजी हिंदी विभागक पूर्व प्राध्यापिका डॉ श्रीवास्तव क पुत्र छथि । देवेन भारती कए एटीएस क चीफ नियुक्त भेला पर पूरा मिथिला वासी गौरवान्वित महसूस कए रहल छलाह । बताबैत चली जे श्री भारती लॉ एंड ऑर्डर क रूप मे लगभग चारि साल धरि काज केने अछि । जे कुनु भी पुलिस अधिकारी क एतबा लंबा कार्यकाल नहीं रहल अछि ।

1994 बैच क ऑफिसर देवेन भारती कैकटा हाईप्रोफाइल मामला क जांच मे शामिल रहलाह अछि । जाहि मे 26/11 क मुंबई आतंकवादी हमला आओर पत्रकार जेडे हत्याकांड प्रमुख अछि । श्री भारती आतंकी संगठन इंडियन मुजाहिदीन कए करारा जवाब देबा मे मुख्य भूमिका निभौलथि अय।

Comments

comments