बिहारक लुधियाना बनत डेहरी ऑन सोन

रामबाबू सिंह

पटना । डेहरी ऑन सोन औद्योगिक क्षेत्र मे लुधियाना केर बीसटा बड़का-बड़का निर्यातक अपन इकाई लगेबाक लेल तैयार अछि । औद्योगिक क्षेत्रक जमीनक देखरेख लेल बिहार सरकार आ निर्यातक प्रतिनिधि सँग रविदिन भेंटगांट भेल भेल आओर स्वर्णिम चतुर्भुज ( दिल्ली-कलकत्ता हाइवे) लग बसल औद्योगिक जमीन व्यापारिक दृष्टिकोणसँ पास सेहो भ गेल । ओना डेहरी मे पहिनेसँ आरो इकाई काज क रहल अछि। ओतय भविष्यमे हवाई अड्डा सेहो शुरू होयबाक आसार अछि।

प्रथमतः पटनामे उद्योग विभाग क प्रधान सचिव डॉ एस सिद्धार्थ सँ गप्प कए स्पष्ट कएलाह जे बिहार सरकारक उद्योग नीति व्यापारक अनुकूल अछि। एहनमे एतय इकाई शुरू कएलासँ पूर्वोत्तर राज्यमे परिधानक मोल सस्ता होयत संगहि स्थानीय लोक कए रोजगार सेहो भेटत । निर्यातकक लेल अन्तरराष्ट्रीय बजारसँ प्रतिस्पर्धा करबामे सहजता होयत आ कोलकत्ता लगिच भेलासँ विदेशमे परिधान निर्यात करबामे असानी सेहो हेतनि ।

श्री सिद्धार्थ कहलाह जे टेक्सटाइल इंडस्ट्रीज क बिहारमे अपार सम्भावना छैक तेँ सरकार औद्योगिक नीतिमे ओकर प्राथमिक सूचीमे रखलाह अछि । निर्यातकक लेल जतेक सुविधा हेबाक चाहि ताहिलेल सरकार वचनवद्ध अछि । केंद्र सरकारकेँ कार्यक्रम कौशल विकास मादे रियायत देल जाएतनि संगहि औद्योगिक क्षेत्रमे सत्तर एकड़ जमीन देबा लेल सेहो तैयार भS गेलाह अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments