मिझा गेल लालटेन

पटना। लोकसभा चुनाव मे प्रदेश मे नीतीश लहर खूब चलल। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद आ लोजपा प्रधान रामविलास पासवान क पाइन उतरि गेल। जदयू क तीर निशान पर लगल। भगवा (भाजपा) मजे मे लहरायल। राजग राजद-लोजपा क सूपड़ा साफ करि देलक। लालू प्रसाद, मीरा कुमार आ रघुवंश प्रसाद सिंह कए छोडि़ सबटा केंद्रीय मंत्री क पत्ता साफ भ गेल। जदयू क प्रदेश अध्यक्ष राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह सर्वाधिक मत स चुनाव जीतलाह। हाजीपुर मे 32 साल बाद रामविलास पासवान हार गये। समस्तीपुर में उनके भाई रामचंद्र पासवान कए सेहो पराजय क मुंह देखए पड़ल। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद सारण मे जीतलाह, मुदा पाटलिपुत्र मे डॉ रंजन प्रसाद यादव हुनका पछाडि़ देलखिन। 40 सीट मे स 32टा राजग झटकि लेलक। 15 सीट पर भाजपा लड़ल छल। ओ 12 सीट जीतबा मे सफल रहल। 25 सीट पर जदयू क प्रत्याशी मैदान मे छलाह। ओहि में स 20टा सफल रलाह। 22 सीट क संग 14 हम लोकसभा मे धमक जमाबैवाला राजद एहिबेर 4टा पर सिमटी गेल। कांग्रेस लडल त छल 37 सीट पर, मुदा जीतल सिर्फ दोटा पर। हालांकि पिछला बेर क तुलना मे ओकरा बहुत नुकसान नहि भेल अछि। 2004 मे ओकरा लग मे तीनटा सांसद छल, जाहि मे केवल मीरा कुमार अपन सीट बचेबा मे कामयाब रहलीह। लोजपा क सफाया भ गेल। पिछला बेर ओ 8टा सीट पर लड़ल छल आ चारिटा जीतने छल। वामपंथी क खाता सेहो नहि खुलल। सारण मे राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद 52, 571 मत स चुनाव जीतलाह। दोसर स्थान पर भाजपा क राजीव प्रताप रूडी रहलाह। हुनका 221595 मत हासिल भेल। पूर्वी चम्पारण मे भाजपा क प्रदेश अध्यक्ष राधामोहन सिंह, अररिया मे भाजपा क प्रदीप कुमार सिंह आ जमुई मे जदयू के भूदेव चौधरी चुनाव जीतलाह। महाराजगंज मे राजद के उमाशंकर सिंह जदयू क प्रभुनाथ सिंह कए हरा देलथि। सुपौल स जदयू प्रत्याशी विश्वमोहन कुमार कांग्रेस क रंजीत रंजन कए 1,65,074 मत स पराजित केलथि। चुनाव हारेवाला केंद्रीय मंत्री मे डॉ शकील अहमद (मधुबनी), अखिलेश सिंह (पूर्वी चंपारण), मो अली अशरफ फातमी (दरभंगा), कांति सिंह (काराकाट), मो तस्लीमुद्दीन (किशनगंज) आ जयप्रकाश नारायण यादव (बांका) प्रमुख छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

कोई जवाब दें