दिल्ली आ बेंगलुरु लेल दरभंगा सं उड़त प्लेन, अगिला मास सं आरम्भ होयत उड़ान योजनाक तहत विमान सेवा

0
4

प्रिया कुमारी

पटना : दरभंगा सं बहुत जल्द आब दिल्ली आ बेंगलुरु लेल विमान सेवा आरम्भ कयल जाय। दुनू राज्य लेल दरभंगा सं जून माह मे हवाई सेवा शुरू क देल जायत। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक उड़ान योजनाक तहत लोकल कनेक्टिविटी कें ल क कतेको छोट शहर कें सोझे विमान सेवा सं जोड़ल जा रहल अछि। दरभंगाक बाद पूर्णिया, कटिहार, गोड्डा, बोकारो आदि शहर कें सेहो विमान सेवा सं जोड़बाक तैयार चलि रहल अछि।

दरभंगा एयरपोर्ट भ रहल अछि तैयार : स्पाइस जेटक सूत्र सं प्राप्त खबरक अनुसार हुनक कंपनी कें सेहो उड़ान योजनाक तहत दरभंगा सं दिल्ली आ दरभंगा सं बंगलुरु लेल उड़ान सेवाक अनुमति भेट गेल अछि। दरभंगा एयरपोर्ट पर तेजी सं काम चलि रहल अछि। जूनक पहिल सप्ताह सं दरभंगा सं दिल्ली  आ दरभंगा से बंगलुरु लेल स्पाइस जेटक विमान सेवा शुरू भ जायत। दोसर चरण मे उड़ान योजनाक तहत बिहारक पूर्णिया एवं कटिहार तथा झारखंडक बोकारो एवं गोड्डा सं स्पाइस जेटक विमान सेवा शुरू कयल जायत।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page