सालक प्रतीक्षा क बाद दरभंगा रेल बाई पास कए भेटल हरियर झंडी

विनीत ठाकुर
दरभंगा ।  वर्षों प्रतीक्षा पश्र्चात रेलवे बोर्ड दरभंगा मे रेल बाई पास क स्वीकृति दय देलक अछि। रेल मंत्रालय एहि हेतु आवश्यक राशि सेहो आवंटित कय देलक अछि। आब डीपीआर बनाओल जाय रहल छैक। एहि बाई पास क  लागत ३०० सय करोड़ अनुमानित अछि। बाई पास ककरघटी से सीसो हाल्ट के बीच बनत जकर दूरी दस किलोमीटर हेतैक।ई बाई पास बनला सँ गोरखपुर से आबय बाली माल गाड़ी आ एक्सप्रेस ट्रेन सब बिना दरभंगा जक्शन गेने सीसो हाल्ट से सीधे ककरघटी टीशन आओत आ कोसी महासेतु पार कय न्यू जलपाईगुड़ी, गुआहाटी तक जायत। आगू समय मे न्यू दरभंगा जक्शन क निर्माण कैल जायत।
बाई पास निर्माण से दूरी आ समयक बचत हेतैक। समस्तीपुर मंडल क डी आर एम श्री आर के जैन कहलनि जे रेलवे नार्थ ईस्ट केँ जोड़बा हेतु कॉरिडोर बनाय रहल अछि जकरा लेल दरभंगा मे दस किलोमीटर दोहरी लाईन क बाई पास बिछेबाक स्वीकृति देलक अछि। ई बाई पास बनला से सीतामढ़ी से जयनगर, न्यू जलपाईगुड़ी जेबा लेल ने दरभंगा टीशन  जाय पड़तैक आ ने इंजिन बदलैक झंझट हेतैक।  डी आर एम जनौलनि जे शीघ्र डीपीआर तैयार कय निर्माण कार्य शुरू कयल जायत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here