कनबैत संवदिया आ हसबैत चल गेल काठक लोक

मैलोरंगक त्रिदिवसीय मिथिला रंग महोत्सव संपन्न
रोशन कुमार मैथिल
दरभंगा । मैथिली लोक रंग, मैलोरंग द्वारा आयोजित त्रिदिवसीय मिथिला रंग उत्सव संपन्न भ गेल। तेसर दिन फनेश्वरनाथ रेणु रचित संवदिया दर्शक दिर्घामे बैसल लोक सभकें कानबा पर विवश क देलक। ओतहि महेंद्र मंलंगिया रचित काठक लोक पर लोक सभ जमिक क हसलक। दरभंगाक श्याम सहनीक निर्देशनमे तैयार कएल गेल संवदियामे भास्कार झाक अभिनय देख लोग सभ चकित रहि गेल। एहि नाटकक विशेषत छल जे एहिमे मात्र एक टा अभिनेता सभ किरदारक अभिनय केलक। संगहि सभ पात्रकें जीवंत क कए देखेलक। ओतहि लनामिवि के सांग एंड ड्राम डिविजन केर कलाकर लोकनि द्वारा मंचित आ स्थानीय सागर झा द्वारा निर्देशित काठक लोकमें डिहबार बाबाक बाबाजीक किरदार लोक सभकें बेसी प्रभावित केलक। ओतहि कार्यक्रमक समाप्तिक बाद मैलोरंगक निदेशक प्रकाश झा कहलनि जे पहिल आयोजन मधुबनीक बाद ई दोसर आयोजन दरभंगामे कयल गेल। हमरा लोकनि प्रयासमे छी जे अगिला बेरक आयोजन सहरसामे संपन्न होई।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments