दरभंगा-नरकटियांगज रेलखंड पर चलल ट्राइल इंजन

आमान परिवर्तन क काज भेल पूरा, नवंबर स चलत ट्रेन 
पटना । दरभंगा-नरकटियांगज आमान परिवर्तन क तहत बचल  40 किलोमीटर रेल लाइन कए 28 महीना क मेगा ब्लॉक क बाद पूरा क रेल परिचालन लेल तैयार क लेल गेल अछि। एकर संगहि दरभंगा-नरकटियांगज-गौरखपुर रेल खंड क बीच आमान परिवर्तन तक काज सेहो पूरा भ गेल अछि। हालांकि एहि रेलखंड पर ट्रेन क परिचालन मे एखन तीन मास आओर लागि सकैत अछि, मुदा सोमदिन एहि रेलखंड पर ट्राइल इंजन विदा कैल गेल। रक्सौल स विदा भेल इंजन नव पटरी पर सुचारू रूप स चलल। प्लेटफार्म और स्टेशन पर सिविल वर्क क काज पूरा भेलाक बाद ट्रेन परिचालन शुरू क देल जाएत। एहि रेल खंड क खुलबा स दरभंगा नहि केवल बडी रेल लाइन क माध्यम स गोरखपुर स सीधा जुडि़ जायत, बल्कि दरभंगा आ दिल्ली क दूरी सेहो 100 किलोमीटर कम भ जाएत। एहि रेलखंड पर सबस पहिने दरभंगा-अजमेर ट्रेन चलेबाक उम्मीद अछि। कामख्या कटरा क सेहो परिचालन एहि रास्ते प्रस्तावित अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments