दरभंगा-कुशेश्वरस्थान-खगड़िया राष्ट्रीय राज्यमार्गक सर्वे शुरू

फुलतोरा कुशेश्वरस्थान के’ मध्य बनत नवका सड़क

फोर लेन होयत  नवका हाईवे  

  
खगड़िया । दरभंगा-कुशेश्वरस्थान-खगड़िया राष्ट्रीय राज्यमार्गक घोषणा के’ संगहि बंगालक कंपनी नेशनल हाईवे केर सर्वे शुरू कS देलक अछि। अहि नव एनएच केर तहत दरभंगा आऔर खगड़िया जिलाक 50 किलोमीटर धरि सिमान लगभग आओत। एखन दरभंगा कुशेश्वरस्थान केर मध्य वर्तमान स्टेट हाईवे 56 के’ राष्ट्रीय राज्यमार्ग मे परिवर्तित कएल जाएत, ओतय कुशेश्वरस्थान-फुलतोरा केर मध्य सड़क निर्माण कS एकरा खगड़िया सँ जोड़ि देल जाएत।
हाईवे केर प्रस्तावित रास्ता दोनार सँ शिवनगरघाट- बिरौल सँ होइत कुशेश्वरस्थान धरि पहुँचत। सर्वे केर काज बंगालक कंपनी कS रहल अछि जे अगिला मास धरि पूरा सर्वेकें डीपीआर रिपोर्ट सरकारकें हस्तांतरित कS देत। नवका नेशनल हाईवेकें खगड़िया- फुलतोरा- कुशेश्वरस्थान- बिरौल सँ होइत दरभंगाक दिल्ली मोड़ स्थित ईस्ट वेस्ट कॉरीडोर सँ जोड़ि देबाक योजना अछि। अहिसँ नहि केवल दरभंगा आऔर खगडिया सीधे जुड़ि जाएत, अपितु दुनु पड़ोसी जिलाक दूरी सेहो कम भ’ जाएत। अहि नव निर्माणकें संगहि खगड़िया के’ लोक सभक दरिभंगा एयरपोर्ट धरि सेहो सीधे पहुँच भ’ जाएत, एकर बाद खगड़ियाकें पटना एयरपोर्ट पर निर्भरता खत्म भ’ जाएत।
दरभंगा- कुशेश्वरस्थान वर्तमान स्टेट हाईवेकें नेशनल हाईवे मे परिवर्तित होइतहि फुलतोरा- कुशेश्वरस्थान के’ मध्य नव सड़क बनाओल जाएत। बाढ़ग्रस्त क्षेत्र सँ टप’ बला फुलतोरा- कुशेश्वरस्थान के’ मध्य 6 टा पुलक निर्माण सेहो कएल जाएत। एकर सड़क केर निर्माण सँ  क्षेत्रक जुड़ाव मधुबनी, सहरसा संगहि अन्यान्य स्थानसँ सेहो भ’ जाएत। कुशेश्वरस्थान सहित आस पड़ोसक क्षेत्र जे बेसी काल पानिमे डूबल रहैत अछि, एहनमे मिथिला केर बाबाधामक हेतु नव नेशनल हाईवे सँ विकासक नव रास्ता खुजत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here