दरभंगा क लाल बनलाह उत्तराँचल क्रिकेट टीम क सेलेक्टर

मणिभूषण राजू
दरभंगा । दरभंगा के लाल आ पूर्व रणजी क्रिकेटर तारिकुर्र रहमान के बीसीसीआई उत्तराँचल के अंडर 16, अंडर 19 आ अंडर 23 टीम के सैलेक्टर बनेलक अछि। ई खबर अबितै एतय पुरान आ नव क्रिकेटर सबमें खुशी के लहर पसरि गेल। शहर के कादिराबाद स्थित तारिकुर्र के घर पर काफी संख्या में लोकक आनजान चालू अछि। तारिकुर्र फिलहाल दिल्ली में ऐयर इंडिया क्रिकेट अकादमी के हेड कोच छथि। क्रिकेट के मैदान पर ओ कतेको बेहतरीन पारी खेलकय एक समय में टीम इंडिया के सेलेक्टर के अपना तरफ आकर्षित कयने छलथि। आब अपन नव पारी खेलय ओ उत्तराखंड जेताह।
कादिराबाद निवासी मरहूम सैयद शमसुल होदाक पुत्र तारिकुर्र शहर के कादिराबाद क्रिकेट क्लब में खेल के बारीकी सब सिखने छलथि। बामा हाथक बल्लेबाज आ बामा हाथक खब्बू गेंदबाज तारिकुर्र रहमान के तरफ सँ अंतर विश्वविद्यालय क्रिकेट प्रतियोगिता सबमें लगातार बेहतर प्रदर्शन सँ बिहार के सिलेक्टर्स के नजर हिनका पर पड़ल छल। वर्ष 1993-94 सत्र में बिहार के रणजी टीम में हिनक सेलेक्शन भेल छल। बिहार के बंटवारा के बाद तारिकुर्र कतेको साल तक झारखंड के तरफ सँ रणजी में बेहतर प्रदर्शन कयलथि। ओहि के बाद ओ कतेको वर्ष तक असम आ त्रिपुरा के टीम सँ सेहो जुड़ल छलाह। रणजी ट्रॉफी के 60 मैच में ओ 4000 रन बनेने छथि। वर्ष 1997 में ओ रणजी ट्राफी में तेसर सबसँ बेसी रन बनाबयवला खिलाड़ी बनलथि। दिलीप ट्रॉफी आ देवधर ट्रॉफी में कतेको बेर ई पूर्वी क्षेत्र के प्रतिनिधित्व कयलथि। तारिकुर्र कहय छथि कि बीसीसीआई हिनका बहुत पैघ जिम्मेदारी देलक आ ओ उत्तराखंड के उभरैत खिलाड़ी सबमें सँ बेहतर टीम चुनय लेल अपन प्रयास करताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here