सोशल मीडिया मानेटरिंग करयवला पहिल जिला बनल दरभंगा

0
5
दरभंगा। दरभंगाक नव एसएसपी मनोज कुमार जिला मे कानूनक राज जारी रखबा लेल रोज नव नव प्रयोग क रहल छथि। आतंकवाद निरोधी दस्ता आ शेरनी बल गठित केलाक बाद आब एसएसपी अपन स्तर स सोशल मीडिया पर नजरि रखबा लेल यूनिट तैयार केलथि अछि। दरभंगा बिहार मे एहन पहिल जिला भ गेल जाहि ठाम सोशल मीडिया पर नजरि रखबा लेल एकटा खास निगरानी प्रणाली शुरु कैल गेल अछि। दरभंगा पुलिस क सोशल मीडिया मानिटरिंग यूनिट काज केनाइ शुरू क देलक अछि। ई यूनिट पोस्ट बनबैवाला आ कट पेस्ट करए वाला सब पर नजरि राखत।  कोनो तरहक अफवाह उड़ला पर एके बेर मे डेढ़ लाख मोबाइल नंबर पर सोझे संदेश पठाओल जा सकत ताकि लोक एहि द्वारा वास्तविकता बूझि अफवाह बंद करैथ, ओहि पर विश्वास नहि करथि।
जाहि एरिया मे अफवाह पसरत वोहि एरिया क सब व्हाट्स एप यूजर सीधा संदेश प्राप्त करता। एहि हेतु टावर सब से जुड़ल सब मोबाइल नंबर क स्कैनिंग कयल गेल अछि आ ओकर डाटा बेस बनि गेल अछि। भारत के बाहर देश से अबयवाला मोबाइल नंबर के सोशल मीडिया यूनिट तुरंत ताकि लेत।
ई मैसेज दरभंगा पुलिस क सोशल मीडिया यूनिट सेल द्वारा जारी कयल गेल अछि आ अपील कयल गेल अछि जे यदि कोनो तरहक आपत्तिजनक पोस्ट अहाँक मोबाइल मे कतहु से अबैत अछि त बिना सोच विचार के ओकरा शेयर जुनि करू। यदि शेयर कयल गेल मैसेज से देश मे कतहु कोनो समस्या होयतैक त  शेयर कर्ता सब सेहो जिम्मेदार हेता आ हुनको विरुद्ध कार्रवाई कयल जा सकै छन्हि। अतः सोशल मीडिया, फेसबुक, व्हाट्सएप, ट्विटर आदि क प्रयोग जिम्मेदारी पूर्वक कयल जाय।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page