स्थायीकर्मी जेकां कांट्रैक्ट कर्मी कए भेटत सुविधा

0
42
esamaad maithili newspaper

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्य क कांट्रैक्ट कर्मचारी कए स्थाई नौकरी जेकां सुविधा देबाक फैसला लेबा लेल तैयार छथि। चुनाव स पूर्व नीतीश कुमार कांट्रैक्ट  कर्मचारी कए कहने छलाह जे ओ हुनकर नौकरी स्थाई करबाक संबंध मे जे संभव भ सकत करब। एकरा लेल ओ एकटा उच्चस्तरीय समिति क गठन सेहो केने छलाह। समिति अपन रिपोर्ट तैयार क लेलक अछि। पूर्व मुख्य सचिव अशोक कुमार चौधरी क अध्यक्षता मे संविदा पर नियुक्त कर्मी क नियमितीकरण लेल गठित एहि उच्चस्तरीय समिति क रिपोर्ट सरकार कए भेट गेल अछि। रिपोर्ट मे कांट्रैक्ट कर्मचारी कए स्थाई करबाक सिफारिश त नहि कैल गेल अछि, मुदा स्थायी कर्मी जेकां बहुत रास सुविधा हुनका देबाक सलाह देल गेल अछि। कहल जा रहल अछि जे एहि रिपोर्ट कए लागू कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार चुनाव क दौरान कांट्रैक्ट कर्मचारी  स कहल गप पूरा करतथि।

रिपोर्ट मे कैल गेल सिफारिश
1- 60 साल तक कांट्रैक्ट  होएत। कांट्रैक्ट कए सब साल रिनुअल करेबाक जरुरत नहि।

2- बेसिक सैलरी क हिसाब स महंगाई भत्ताक भेटत।
3- मेडिकल क सुविधा देल जाएत।
4- यात्रा आ घर लेल भत्ताह सेहो भेटत।
5- ईपीएफ खाता मे टका होएत जमा।
6- कैजुअल लीव (CL)  आ अर्न लीव (EL) क सुविधा।
7- महिला कए प्रेग्नेंकसी लेल पांच माह क अवकाश।
8- पुरुष कए सेहो पिता बनबा पर छुट्टी क प्रावधान।
9- चारि साल मे एक बेर एलटीए ।

Comments

comments