कन्ज्यूमर कान्फिडेंस सर्वे करेलक : महंगाई बढ़ल, आमदनी बढ़बाक संभावना

कन्ज्यूमर कान्फिडेंस सर्वे करेलक : महंगाई बढ़ल, आमदनी बढ़बाक संभावना

आरबीआई क सर्वे : 78% लोक कहलथि एक साल मे महंगाई आओर बढ़त, 51% क आस छनि – आमदनी सेहो बढ़त

मणिभूषण झा
नई दिल्ली । देशक 78% लोक मानय छथि जे आबयवला एक साल में महंगाई आर बढ़त । केवल 5.5% लोकक कहलक जेएक साल मे महंगाई कम हेबाक उम्मीद छनि । 16.5% लोकक लागय छनि जे महंगाई जस कए तस रहत, नहि घटत आ नहिए बढ़त। ई नतीजा भारतीय रिजर्व बैंक (आरबीआई) क तरफ सँ कराओल गेल कन्ज्यूमर कान्फिडेंस सर्वे स निकलल अछि । आरबीआई मई मे ई सर्वे करेने छल जेकर रिजल्ट एखन आएल अछि । देशक अर्थव्यवस्था पर देशवासी सबकए विचार जानय लेल 6 टा मेट्रो शहर मे ई सर्वे कराओल गेल छल – दिल्ली, मुम्बई, बेंगलुरू, चेन्नई, कोलकाता आ हैदराबाद। सर्वे मे लोक सबसँ 4 टा पैमाना पर विचार लेल गेल – रोजगार, महंगाई, आय आ खर्च । लोक सबसँ एहि सब मुद्दा पर वर्तमान आ भविष्य के स्थिति पर प्रश्न पूछल गेल।

1. आय
सर्वे में शामिल 50.8% लोक सबहक आस छनि जे एक साल मे आय बढ़त । 38.9% लोक सबहक एहन कोनो उम्मीद नहिं छनि । ओहिठाम 10.3% लोकक कहनाम छनि जे एक साल मे आय मे कमी आबि सकैत अछि ।

2. खर्च
84.8% लोक कहलथि जे अगि‍ला साल धरि हुनक खर्च में बढ़ोतरी हेतन्हि । 12.8% लोक कहय छथि खर्च एहिना रहतन्हि । खाली 2.4% लोक सबहक कहनाय छनि जे खर्च मे कमी आबि सकैत अछि।

3. रोजगार
49.5% लोक कहय छथि जे एक साल मे रोजगार बेहतर होएत । 25% लोकक अनुसार रोजगारक हालात खराब होएत । 25.5% लोक कए लागय छनि रोजगार क एहने स्थिति रहत ।

4. आर्थिक स्थिति
सर्वे मे शामिल 49.5% लोक अगिला साल धरि सामान्य आर्थिक स्थिति मे बढ़ोत्तरीक आस लगेने छथि । 22.7% लोकक माननाई छनि जे सामान्य आर्थिक स्थिति मे कोनों बदलाव नहि होएत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments