दिसंबर तक सभटा लंबित परीक्षा कराओल जाय : कुलाधिपति

0
2
पटना। राज्यपाल सह कुलाधिपति श्री सत्यपाल मलिक शनि दिन आयोजित मासिक समीक्षा बैसक मे सब विश्वविद्यालय के कुलपति के दिसंबर तक लंबित सब परीक्षा लेबाक निदेश देलैन। एकेडमिक कैलेंडर आ परीक्षा कैलेंडर के अनुसार सत्र संचालन, परीक्षा क आयोजन आ परिणाम प्रकाशन के प्राथमिकता देबाक संग समय पर परीक्षाफल प्रकाशित करबाक निदेश देल।
बैसक मे विश्वविद्यालय सबमे शैक्षणिक विकास, आधारभूत विकास समेत विभिन्न विषयक समीक्षा कयल गेल आ आवश्यक निर्देश देल गेल। जुलाई से सब विश्वविद्यालय के स्नातकोत्तर कक्षाओं में च्वाईस्ड बेस्ड क्रेडिट सिस्टम लागू करबाक संकल्प लेल गेल।एहि हेतु मॉडल सिलेबस के अंतिम रूप देसाई जानकारी देल गेल।
कुलाधिपति श्री मलिक सब कुलपति, शिक्षा विभाग के प्रधान सचिव, आर के महाजन, अपर सचिव मनोज कुमार, राजभवन के प्रधान सचिव श्री विवेक कुमार सिंह आदि अधिकारी सबहक उपस्थित में बी एड कालेज के रिपोर्टिंग एप के शुभारंभ कयलन्हि। उच्च शिक्षा मे गुणवत्ता हेतु कुलाधिपति कुलपति सब के अपन विषय के कक्षा स्वयं लेबाक निदेश देलैन।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page