तिरहुता लिपिक संरक्षण आ संवर्धन लेल बनल कमेटी

मानव संसाधन मंत्री प्रकाश जावेडकर कमेटी गठित कए तिरहूता लिपि क संरक्षित आ प्रचार प्रसार करबाक बात केलथि अछि ।

0
5
दरभंगा । मानव संसाधन विकास मंत्रालय तिरहुता लिपि क संरक्षण आ संवर्धन हेतु कमेटी गठित कयलक अछि। जदयू क राष्ट्रीय महासचिव संजय झा जनौलन्हि जे मानव संसाधन मंत्री प्रकाश जावड़ेकर एहि कमेटी क गठन कएल अछि। कमेटी मे लनामिवि क मैथिली विभागाध्यक्ष प्रो. रमण झा, संस्कृत विवि क व्याकरण विभागाध्यक्ष प्रो.शशिनाथ झा मिवि क सेवानिवृत्त शिक्षक प्रो. रत्नेश्वर मिश्र आ महवीर मंदिर न्यास पटना क प्रकाशन विभाग क डा. भवनाथ झा सम्मिलित छथि।
जदयू महासचिव जनौलन्ही जे मिथिला आ मैथिली क विकास मे एनडीए सरकार क महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि। पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी क नेतृत्व मे मैथिली के उचित सम्मान प्राप्त भेल। हुनके कार्यकाल मे मैथिली कए संविधान क अष्टम सूची मे स्थान देल गेल।
ई कमेटी तिरहुता लिपि क संरक्षण आ संवर्धन हेतु मंत्रालय के अपन सुझाव देत जाहि पर विचारोपरान्त मंत्रालय काज करत।  एहि हेतु श्री झा श्री जावेड़कर सहित केन्द्र सरकार के धन्यवाद देल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page