मधुबनी मे पशु त मोतिहारी मे खुलत उद्यान महाविद्यालय

0
4
रामबाबू
समस्तीपुर। कृषि क्षेत्रमे विकास हेतु चारि गोट नव महाविद्यालय स्थापना कएल जाएत। मधुबनीमे पशु महाविद्यालय, मोतिहारीक पीपराकोठीमे उद्यान महाविद्यालय, औरंगाबाद आऔर सारणमे नव कृषि महाविद्यालय खोलल जाएत। समस्तीपुर जिलाक पूसामे आयोजित अनुसंधान परिषद् केर तीन दिवसीय बैसारकें संबोधित करैत डा.राजेन्द्र प्रसाद केन्द्रीय कृषि विश्वविद्यालय केर कुलपति डा. आर. सी. श्रीवास्तव बजलाह कि नव विश्वविद्यालय खोलबाक लेल बिहार सरकार भूमि अधिग्रहण क काज आरंभ क चुकल अछि। अहि नवका महाविद्यालय सभके स्थापना सँ बिहारक किसान आऔर पशुपालक सभक उन्नत तकनीक सभकेँ उत्तम जानकारी  भेटतनि। डा.श्रीवास्तव बजलाह कि जलवायु परिवर्तन के’ ध्यानमे राखि फसल सभक बाउग हेतु वैज्ञानिक सभक नव अनुसंधान विकसित क किसान सभकेँ लाभ पहुँचाएल जाएत। खेतीमे कम लागत सँ पानि पटेबाक लेल विश्वविद्यालय सोलर चलित पंप सेटक सेहो अविष्कार कएलक अछि।
कुलपति बजलाह कि विश्वविद्यालय के’ विज्ञानिक द्वारा कचरा प्रबंधन, सौर ऊर्जा संचालित सिंचाई प्रणाली आऔर जैविक खेती संगहि अन्यान्य कृषि काज सभ पर विशेष रूप सँ ध्यान देल जा रहल अछि। बैसारमे विश्वविद्यालयकें निदेशक अनुसंधान डा.मिथिलेश कुमार, वरिष्ठ वैज्ञानिक डा.एम.पी.सिंह, डा.ए.के. मिश्रा, डा.दिव्यांशु शेखर,डा.मृत्युंजय कुमार संगहि अन्य कृषि वैज्ञानिक सभ सहभागी छलाह।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page