गायब भेल पांडुलिपि क जांच सीबीआई स करा सकैत अछि सरकार

समदिया
पटना। कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय आ मिथिला शोध संस्थान स वर्ष 2003 मे गायब भेल 36 दुलर्भ पाण्डुलिपी मामला क जांच क लेल राज्य सरकार एक बेर फेर सीबीआई क गुहार लगा सकैत अछि। भाजपा क विनोद नारायण झा क प्रयास पर राज्य क जल संसाधन मंत्री बिजेन्द्र प्रसाद यादव सरकार क दिस स सूचित केलथि अछि जे 12 दिसंबर 2006 कए बिहार सरकार इस मामला क जांच क लेल सीबीआई कए पत्र लिखने छल, मुदा सीबीआइ एहि मामला कए अपन हाथ मे लेबा स इनकार करि देने छल । यादव कहलथि जे पुलिस द्वारा मामला क जांच जारी अछि आ राज्य सरकार एक बेर फेर एहि मामला क जांच क लेल सीबीआई स अनुरोध करि सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
    समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
    लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।

Comments are closed.