दुनू मिथिला कए जोड़त सरकारी बस सेवा

मधुलता मिश्र

पटना । सीता क जन्म भूमि जनकपुर आ काठमांडू स्थित पशुपतिनाथ धामक दर्शन आब श्रद्धालु सब लेल आसान भ जाएत । पटना आ बोधगया से नेपालक जनकपुर धाम आ पशुपतिनाथक लेल सीधा सरकारी बस चलेबाक योजना अछि । नेपाल से बिहारक बीच जतेक स्थान अछि ओहि सब ठामक लेल बस सेवा शरू करवाक सहमति भेट गेल अछि ।

परिवहन विभाग दिस से पशुपतिनाथक लेल 6 टा परमिट जारी कैल गेल । बिहार सरकारक दिस से जारी परमिटक सड़क आ परिवहन मंत्री से स्वीकृत भेटला पर नेपाल सरकार से काउंटर हस्ताक्षर हैत । नेपाल सरकार सेहो एहि लेल परमिट जारी केलक । जों सब किछु ठीक ठाक रहल त उम्मीद अछि जे खरमासक बाद मुख्यमंत्री बस सेवाक उद्धघाटन करताह । नेपालक जनकपुर आ पशुपतिनाथक लेल फिलहाल 6टा परमिट जारी कैल गेल अछि । एहि मे बोधगया से पटना, मुज्जफरपुर, मोतिहारी, रकसोल होएत पशुपतिनाथक लेल परमिट जारी भेल अछि ।

पटना से मुजफ्फरपुर होएत जनकपुर लेल पांच टा परमिट स्वीकृत अछि । बोधगया से काठमांडू स्थित पशुपतिनाथ क दूरी लगभग पाँच सौ किलोमीटर अछि । दुनु जगह लेल वातानुकूलित बस चलाओल जायत । परिवहन निगम मे वातानुकूलित बसक किराया प्रत्येक किलोमीटर डेढ़ रुपैया अहि । एहि हिसाबे बोधगया से पशुपतिनाथक किराया 750 रुपया होएत तकर अनुमान अछि । जखनकि जनकपुर क लेल लगभग तीन सौ टका किराया होएत । परिवहन नगर क सूत्र स पता चलल जे बस सेवा शुरू भेला पर किराया तय होयत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments