गया स काठमांडू लेल बस सेवा 3 स

समदिया
पटना। जानकी नवमी क अवसर पर बिहार आ नेपालक बीच बस सेवा शुरु भ रहल अछि। गया स काठमांडू भाया पटना मार्ग पर कुल दस टा बस कए परमिट भेटल अछि। एहि सेवा कए शुरु भेला स धार्मिक पर्यटन कए मजबूती भेटत। गया, पटना, जनकपुर आ काठमांडूक बीच बस सेवा पहिल बेर शुरु भ रहल अछि। 3 मई स इ बस सब चलत। एहि बसक टिकट राज्य पथ परिवहन निगम क बस अड्डा पर भेटत। इ बस गया, पटना, हाजीपुर, मुजफ्फरपुर, मोतिहारी, रक्सौल स बॉर्डर पार क जनकपुर आ काठमांडू पहुंचत। किराया ओना एखन धरि तय नहि भेल अछि मुदा परिवहन विभाग क सचिव संजय अग्रवाल कहला जे उचित होएत आ इ बस पीपीपी मोड़ पर चलत। उल्लेखनीय अछि जे बिहार सरकार सीतामढी स जनकपुर तक सीधा सडक सेहो बना रहल अछि। रेलवे सेहो जयनगर स जनकपुरक बीच रेलखंड क आमान परिवर्तन एहि सालक अंत तक पूरा क लेत। एहि प्रकार स बिहार आ नेपालक बीच रोटी आ बेटीक जे संबंध अछि ओ आओर मजगूत होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments