दीदी मे लिखल गेल ममताक जीवन आराजनीतिक अबूझ गप सब

प्रभाकर झा
कोलकाता । बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जीक जीवन आर राजनीतिक जीवन पर नंबर पोथी लिखल गेल अछि । जकर शीर्षक डिकोडिंग दीदी अछि। ममता देशक सबस युवा सांसद में स एक छथि और दू बेर केन्द्रिय रेल मंत्री रह चुकल छथि। तथा तृणमूल कांग्रेस के संस्थापक सेहो छैथ । परन्तु हिनकर राजनीतिक करियर अपन चरम बिन्दु पर तहन पहुचल जखन ओ तमाम विषय परिस्थिती के पार करैत बंगाल के पहिल महिला मुख्यमन्त्री होबा के गौरव हासिल केलि और एकर संगे राज्य में वाम मोर्चा के ३४ सालक पैघ शासन के अंत केलनि।
पत्रकार डोला मित्रा द्वारा लिखल गेल पोथी में ममता के अलग – अलग पहलू के सोझा आनल गेल अछि। केय बेर हुनका एकटा पैघ जन नेता के संज्ञा देल गेल अछि तहन केय बेर अभिमानी सेहो कहल गेल अछि। पोथी में कहल गेल अछि कि समकालीन भारतीय राजनीति के सबस महत्वपूर्ण ताकत में ऐ नेता के समझनैय क लिहाज स महत्त्व रखैत अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here