विहार सब जूनियर बैडमिंटन चैंपियनशिप प्रतियोगिता, पटना क सृजा स पूर्णिया क सृष्टि श्रेष्ठ हारलैथ

मधुबनी । द्वितीय विहार सब जूनियर बैडमिंटन चैंपियनशिप प्रतियोगिता मे शनि दिन कुलम ३३ मुकाबला खेलायल गेल छल जाहि मे २२ क्वार्टर फाइनल आ ११ सेमीफाइनल क मुकाबला भेल छल। पुरुष एकल ( १३वर्ष से कम ) क चारि आ पुरुष एकल ( १५ वर्ष से कम ) के चारि, बालिका एकल (१३वर्ष से कम) क चारि , बालिका एकल  (१५ वर्ष से कम ) के चारि , बालिका युगल (१५ वर्ष से कम ) क २ आ पुरुष युगल (१५ वर्ष से कम ) के ४ क्वार्टर फाइनल मुकाबला खेलायल गेल। सेमीफाइनल क पुरुष एकल (१३वर्ष से कम ) क १ आ बालिका एकल (१३ वर्ष से कम) क २ आ बालिका एकल (१५ वर्ष से कम) क २, बालिका युगल (१३वर्ष से कम) क २ आ पुरुष युगल (१५ वर्ष से कम) क २ मुकाबला खेलायल गेल।  द्वितीय विहार सब जूनियर बैडमिंटन चैंपियनशिप प्रतियोगिता में रवि दिन सेमीफाइनल क ३आ फाइनल क ७ मुकाबला खेलायल गेल। प्रतियोगिता मे रवि दिन पुरुष एकल (१५ वर्ष से कम ) क मुकाबला मे मुजफ्फरपुर क तनवीर अहमद मुज़फ़्फ़रपुर क रचित कुँवर केँ २१-११,२१-८ से हराय विजेता घोषित भेलाह।  बालिका एकल प्रतियोगिता (१३वर्षसे कम ) क फाइनल मुकाबला मे पटना क सृजा पूर्णिया क सृष्टि श्रेष्ठ कय २१-१०,२१-७ से हराय बालिका एकल १३वर्ष से कम क प्रतियोगिता क विजेता घोषित भेलीह।
प्रतियोगिता क पुरुष युगल १३ वर्ष से कम फाइनल मुकाबला मे पूर्णिया क कृष्णा किस्कू मुजफ्फरपुर क रौनक कुवँर समस्तीपुर क आदित्य कुमार-१ आ ऋषभ राज केँ २१-१६, १८-२१,२१-१२ से हराय पुरुष युगल १३वर्ष से कम क प्रतियोगिता का विजेता घोषित भेलाह। पुरुष एकल १३ वर्ष से कम क मुकाबला मे १३ वर्ष से कम क फाइनल मुकाबला मे मुजफ्फरपुर क तनवीर अहमद पूर्णिया क कृष्णा किस्कू के २१-१९,२१-१३ से हराय १३ वर्ष से कम क विजेता घोषित भेलाह।  बालिका एकल १५ वर्ष से कम क मुकाबला मे पूर्णिया क सलोनी कुमारी पटना क सृजा केँ २१-१३, २१-१६ से हराय सलोनी विजेता घोषित भेलीह। पुरुष युगल १५ वर्ष से कम क फाइनल प्रतियोगिता मे मुजफ्फरपुर क अमृत राज आ तनवीर अहमद मुज़फ़्फ़रपुर के रचित कुँवर आ सौरभ कुमार कय २१-१०, २१-६ से हराय पुरुष युगल क विजेता घोषित भेलाह।
प्रतियोगिता क समापन समारोह मे सब विजयी प्रतिभागी कय पुरस्कार वितरण मधुबनी बैडमिंटन एसोसिएशन क अध्यक्ष जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक क द्वारा कयल गेल। समारोह मे विहार बैडमिंटन एसोसिएशन एवं राष्ट्रीय बैडमिंटन एसोसिएशन के प्रशिक्षण एवं विकास क अध्यक्ष कृष्णा नन्द जायसवाल,नगर विधायक समीर कुमार महासेठ, वरीय उप समाहर्ता श्री विनोद कुमार पंकज, श्री सुनिल कुमार सिंह, सदर अनुमंडल पदाधिकारी, जय कुमार पंडित, जिला खेल पदाधिकारी, इंद्राभूषण रमण, अजयधारी सिंह, अभिषेक कुमार,नवीन मुरारका , श्रवण मंडल,अमित राउत, सुभाष कुमार, सुभाष कुमार पंजियार,प्रणव कुमार, शंकर साहनी,राहुल पंजियार आ इप्टा के पूरा टीम उपस्थित छलाह। धन्यवाद ज्ञापन धीरेन्द्र कुमार मंडल आ मंच संचालन सुनील कुमार ठाकुर कयलनि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here