नाइजेरिया मे आयोजित इंडियन फूड फेस्टिवल मे बिहारक धूम

नयी दिल्‍ली । भारत स सदूर नाइजेरिया मे आयोजित इंडियन फूड फेस्टिवल मे बिहारक धूम रहल। भारतीया उच्च आयोग दिस स आयोजित एहि महोत्‍सव कए जतय बिहारक मिथिला चित्रकला स सजाउल गेल छल, ओतहि भोजन मे बिहारक सबस लोकप्रिय ब्रांड लिट्टी चोखा सब पर भारी रहल। लिट्टी चोखाक स्‍टॉल पर भीड शुरु स अंत तक रहल। एहि महोत्‍सव मे भारतीय प्रवासीक अलावा एशिया समेत विभिन्न देशक प्रवासी क आवाजाही देखल गेल। खास गप इ रहल जे बिहार क स्‍टॉल पर विभिन्‍न देशक राजनायिक आ गणमान्य नागरिक एलाह आ लिट्टी चोखा क स्‍वाद चखलथि। ओना भारत क विभिन्न राज्‍यक विभिन्न प्रकार क स्वादिष्ट व्यंजन एहि ठाम परोसल गेल छल।  बिहार क प्रतिनिधि क रूप मे एहि महोत्‍सव मे प्रत्‍युष गौतम, सुष्मिता, सीमा सिंह, भोला साहू आ अमित मिश्रा शामिल भेलथि। एहि अवसर पर भारतीय संगीत आ नृत्‍य क सेहो कार्यक्रम भेल मुदा ओहि मे बिहारक प्रतिनिधित्‍व कोनो खास नहि रहल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here