बिहार मे बनत ब्रिटेनिया बिस्कुट आ प्रिंस पाइप

समदिया
मुंबई । ब्रिटेनिया इंडस्ट्रीज आ प्रिंस पाइप बिहार मे निवेश करत। पीवीसी पाइप क फैक्ट्री लगेबा लेल करीब एक हजार करोड़ स बेसीक निवेश प्रस्ताव पर मंजूरी भेट गेल अछि। मुंबई मे बिहार निवेश प्रोत्साहन समिति क भेल बैसार में ब्रिटेनिया इंडस्ट्रीज आ प्रिंस पाइप एंड फिटिंग्स प्राइवेट लिमिटेड क निवेश प्रस्ताव कउ मंजूरी देल गेल। वित्तमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे अशोका बिल्डकॉन और जरबिया सेहो कम दाम मे मकान आ जुपिटर हॉस्पीटल क सीईओ अजय ठक्कर  बिहार मे शंकर नेत्रालय क तर्ज पर आई अस्पताल स्थापित करबा लेल इच्छुक छथि।
दोसर दिस मुम्बई क सायन स्थित षणमुखानंद ऑडिटोरियम में आयोजित समारोह मे महाराष्ट्र क मुख्यमंत्री देवेन्द्र फडणवीस बिहार स आयल कैंसर क मरीज कए ठहरबा लेल जमीन/मकान उपलब्ध करेबाक आश्वासन देलथि संगहि छठ पूजा क तैयारी क देखरेख लेल राज्यस्तरीय समिति बनेबाक गप कहलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments