बिहार मे बनत तीनटा आओर नव सुपरग्रिड

Power Gridपटना । बिहार मे तीनटा आओर नव सुपरग्रिड क निर्माण होएत। 400 किलोवाट क्षमता क तीनटा ग्रिड सब-स्टेशन क निर्माण गया, सहरसा आ सीतामढ़ी मे होएत। एहि ग्रिड क बनला स बिहार क बिजली लेबाक क्षमता जरुरत स बेसी भ जायत। संगहि राष्ट्रीय स्तर पर कोसी प्रमंडलक बिजली नेटवर्क सेहो बेहतर होएत।
हाल क वर्ष मे बिहार मे बिजली खपत बढ़ल अछि। 3500 मेगावाट स बेसी बिजली सप्लाई एखन भ रहल अछि, मुदा केन्द्रीय सेक्टर क 400 किलोवाट क ग्रिडसब-स्टेशन बिजली देबा में सक्षम नहि अछि। राज्य सरकार क मांग छल जे केन्द्रीय सेक्टर क ग्रिड सब-स्टेशन कए आओर मजबूत कैल जाये। सोमदिन पावरग्रिड क कोलकाता मे भेल बैसार मे तय भेल जे सहरसा, गया आ सीतामढ़ी में 400/220 किलोवाट क ग्रिड सब-स्टेशन बनाउल जाये।
एहि माह पटना मे इस्टर्न रिजन पावर कमेटी (ईआरपीसी) क बैसार अछि। जाहि मे विधिवत प्रस्ताव कए मंजूरी भेटत। तीनटा ग्रिड क निर्माण पर लगभग 1500 करोड़ खर्च होएत। राज्य मे एखन पावरग्रिड क 10 ग्रिड सब-स्टेशन अछि। ओ ग्रिड बांका, लखीसराय, बिहारशरीफ, गया, पुसौली, आरा, पटना, मुजफ्फरपुर, पूर्णिया आ किशनगंज में अछि। अगर तीनटा आओर ग्रिड बनत त पावरग्रिड क कुल 13 सब-स्टेशन भ जाएत। ओतहि, बिहार ग्रिड कंपनी लिमिटेड बख्तियारपुर, जक्कनपुर आ नौबतपुर मे 400 किलोवाट क ग्रिड क निर्माण करा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments