बिहार मे खुलत अंतरिक्ष अनुसंधन संगठनक शाखा

पटना । आब बिहारक छात्र सेहो अंतरिक्ष क क्षेत्र मे शोध काज क सकताह। बहुत जल्द भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (इसरो) पटना मे अनुसंधान केंद्र खोलत। एहि केंद्र मे प्रशिक्षण ग्रहण क राज्यक छात्र कें सेहो उपग्रह बनेबा में आ अंतरिक्ष केर क्षेत्र मे कार्य करबाक अवसर भेटत। अंतरिक्षक क्षेत्र मे छात्र सभक रुचि आ अंतरिक्ष कार्यक्रम मे शामिल करबा लेल भारतीय इसरो ई निर्णय लेलक अछि। एकरा साथे इसरो देश मे 12 अनुसंधान एवं इन्क्यूबेशन केंद्र खोलबाक घोषणा केलथि अछि।
दिल्‍ली मे पत्रकार स गप करैत इसरो क अध्यक्ष के. सिवन कहला जे इसरो 12टा शहर मे एक साल मे छहटा इन्क्यूबेशन आ छहटा रिसर्च सेंटर खोलत। इसरो क अध्यक्ष शिवन क मुताबिक रिसर्च सेंटर वाराणसी, गुवाहाटी, जयपुर, कुरुक्षेत्र, पटना आ कन्याकुमारी मे खुलत। इन्क्यूबेशन सेंटर लेले अगरतला, जालंधर, भुवनेश्वर, नागपुर, इंदौर आ तिरुचिरापल्ली चुनल गेल अछि।
इसरो क अध्यक्ष सिवन प्रेस कॉन्फ्रेंस मे कहलनि जे देशक सभावना वला राज्य आ केंद्रशासित प्रदेश सं तीन-तीन छात्रक चयन कयल जायत। संगे हुनका एक महीना लेल एजेंसीक प्रयोगशाला मे काज करबाक अवसर देल जायत। हुनका सबक एबा जेबाक खर्चा इसरो वहन करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments