बहिन-बहिनपा स सम्मानित भेलीह बिहार क बेटी

12814075_10209036973710259_6977333317331110326_nदरभंगा । बिहारक सांस्‍कृतिक विरासत क संरक्षण आओर संवर्धन क लेल बनल ‘’सुर-समाद’’ क तेसर आयोजन ‘बहिन-बहिनपा’ दरभंगा मे काल्हि‍ सम्पन्न भेल । लना‍मिविवि क मुगल गार्डन मे सुर आयोजित एहि कार्यक्रम मे बिहार क दू टा शान रजनी पल्लवी आ चंदन तिवारी क सुनि गदगद भ गेल । कार्यक्रम क अध्यक्षता विश्वविद्यालय क प्रति कुलपति प्रो० एस मुमताजुद्दीन  केलथि‍ । अपन अध्यक्षीय भाषण मे ओ कहलथि‍ कि एक संग मैथि‍ली आ भोजपुरी क कलाकार कए एक मंच पर बजेनाय आ कार्यक्रम करेनाय प्रशंसनीय अछि । एहि तरहक कार्यक्रम से समाजिक समभाव बढ़त । मुख्य अतिथि‍ क तौर पर बेनीपट्टी क विधायक डॉ० भावना झा उपस्थि‍त छलीह । अपन संक्षि‍प्त भाषण मे ओ बजलीह कि महिला दिवस कए ध्यान मे राखि‍ जे ई बहुभाषी सांस्कृतिक कार्यक्रम क आयोजन भए रहल अछि एकरा स महिला क बढ़ावा भेटत । एहि तरहक कार्यक्रम मिथि‍ला संगे आन आन शहर मे सेहो हेबाक चाहि । एहि कार्यक्रम मे अतिथि‍ क रूप मे प्रदेश काँग्रेस क पूर्व उपाध्यक्ष प्रवीण कुशवाहा, भाजपा युवा मोर्चा क प्रदेश उपाध्यक्ष अनामिका सिंह मौजुद छलथि‍ ।

1934800_10209036971750210_3039119678652410457_nकार्यक्रम क शुरूआत बहिन-बहिनपा सम्मान स भेल । जाहि क्रम मे मैथि‍ली आ भोजपुरी क दुनू बेटी रजनी पल्लवी आ चंदन तिवारी कए बहिन-बहिनपा सम्मान स सम्मानित करल गेल । इसके बाद रजनी पल्लवी के मैथि‍ल छी मिथि‍लावास हमर, कंदम्ब क तरू तरी आ चंदन तिवारी क गंगाजी स मटिया मंगौले बानी आ खेले मसाने होरी श्रोता क झुमबा लेल विवश कए देलथि‍ । कार्यक्रम क संचालक आशीष आ सुधीर जी सामुहिक रूप स कए रहल छलथि‍ ओतहि गौतम, शशी, विजय आ संतोष क योगदान कार्यक्रम क सफल संचालन लेल रहल ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments