पंजाब कए हरा बिहार बनल चैंपियन

दरभंगा मे पहिल बेर भेल आयोजन, 18 राज्य क प्रतिभागी भेलाह शामिल
Dragon Boat Darbhangaदरभंगा । 117 एकड मे पसरल दरभंगा क हराही पोखरि नौकायन प्रतियोगिता क कारण चर्चा मे अछि। दरभंगा मे पहिल बेर 8वीं सिनियर नेशनल ड्रैगन बोट चैंपियनशिप क आयोजन भेल अछि।
एहि चैंपियनशिप मे भारत क कुल 18 राज्य भाग ल रहल अछि। एहि मे बिहार, झारखंड, छत्तीसगढ़, महाराष्ट्र, असम, पश्चिम बंगाल, हरियाणा, राजस्थान, उत्तर प्रदेश, कनार्टक, दिल्ली, चंडिगढ़, हिमाचल प्रदेश, पंजाब और उत्तराखंड क लगभग 550 खिलाड़ी भाग ल रहल छथि।
ड्रैगन बोट एसोसिएशन बिहार क सचिव पंकज कुमार ज्योति कहला जे पुरूष, महिला आ मिश्रित वर्ग मे 200 मीटर, 500 मीटर आ 1000 मीटर क स्पर्धा  होएत। 200 मीटर क पहिल स्पर्धा मे बिहार स पंजाब पछुआ गेल, जखन कि झारखंड तेसर स्थान पर रहल।
एहि स पूर्व एकर उद्घाटन बिहार सरकार क खाद्य आ ग्राहक सुरक्षा मंत्री आ दरभंगा क विधायक मदन सहनी केलथि। एहि अवसर पर ओ कहला जे दरभंगा सन शहर मे एहि प्रकारक आयोजन क आवश्यकता छल। पहिल बेर इ प्रतियोगिता एहि ठाम भ रहल अछि जे अपना सब लेल गर्व क बात अछि।
ओतहि प्रवीण कुमार कहला जे बिहार मे ड्रैगन बोट रेस कए बढ़ावा देबा लेल अपार संभावना अछि। एहि बेर चैपियनशिप स 5 बेस्ट टीम आ मेजबान टीम कए जून मे कोलकाता मे प्रस्तावित प्रथम फेडेरेशन कप मे भाग लेबाक अवसर भेटत।  सव्रश्रेष्ठ खिलाडी क चुनाव जून मे चीन मे विश्व चैपियनशिप लेल होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments