2020 तक शुरु भ जायत बरौनी खाद कारखाना

नई दिल्ली। सरकारी कंपनी ओएनजीसी, एनटीपीसी आ कोल इंडिया (सीआईएल) क बंद पड़ल एक-एकटा यूरिया प्लांट कए दोबारा शुरू करबाक बाट साफ भ गेल अछि। अगिला चार वर्ष मे करीब 18 हजार करोड़ क खर्च आउत। घरेलू उत्पादन कए बढ़ाकए, आयात पर निर्भरता कए कम करबा लेल सरकार पीएसयू कंपनी  उत्तर प्रदेश, बिहार आ झारखंड मे दोबारा उत्पादन शुरू करबा लेल कहलक अछि। प्रधानमंत्री कार्यालय (पीएमओ) पुनरोद्धार योजना क रूपरेखा कए तैयार करबा लेल उर्वरक मंत्री अनंत कुमार, पेट्रोलियम मंत्री धर्मेन्द्र प्रधान आ बिजली आ कोयला मंत्री पीयूष गोयल क एकटा उच्चस्तरीय बैसार भेल। सरकारी गैस कंपनी गेल इंडिया लिमिटेड कए उत्तर प्रदेश क जगदीशपुर आ पश्चिम बंगाल क हल्दिया तक पाइपलाइन बिछेबाक काज मे तेजी अनबा लेल कहल गेल अछि। सूत्र क अनुसार बरौनी मे यूरिया प्लांट क पुनरोद्धार लेल ओएनजीसी, हिन्दुस्तान फर्टिलाईजर कारपोरेशन लिमिटेड (एचएफसीएल) कसंग साझा उपक्रम तैयार करत। भारत क यूरिया उत्पादन वित्तवर्ष 2015-16 मे रिकॉर्ड 2.45 करोड़ टन क स्तर कए छूलक अछि । जखनकि देश क कुल यूरिया मांग तीन करोड़ टन अछि। शेष बचे हिस्सा कए आयात क जरिए पाटल जाइत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.