जयनगर मे हवलदार क एटीएम सँ 1.11लाख निकासी करनिहार अरवल सँ गिरफ्तार

मधुबनी । जयनगर में पदस्थापित एकटा हवलदार क एटीएम सँ 1लाख 11 हजार रुपयाक अवैध निकासी मामला में पुलिस के पैघ सफलता प्राप्त भेल अछि। एहि मामला में अरवल जिला के परासी थाना क्षेत्र के निवासी सिद्धेश्वर गिरि के पुलिस गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस के अनुसार गिरफ्तार आरोपी अरवल जिला निवासी पिडब्ल्यूडीक सेवानिवृत्त कर्मी अछि। ई जानकारी केस के अनुसंधानकर्ता एएसआई राम प्रीत यादव देलन्हि। हिनके नेतृत्व में ई कार्रवाई भेल। ई मामला साल 2015 के 30 मार्च के अछि, जखन डीएसपी कार्यालय में तैनात हवलदार राम लगन चौधरी के पुत्र राकेश कुमार  जयनगर स्थित ओरिएंटल बैंक के एटीएम सँ रुपैया निकालबाक लेल पहुँचल रहैथ। ओहि समय मे10 हजार रुपैया निकालबाक बाद एटीएम सेन्टर में तीन चारि टा लोक पहुँचल, जाहि में एकटा वृद्ध महिला सेहो छल। पुलिस में देल हवलदार पुत्रक बयान के अनुसार, ए टी एम में पहुँचल ओ लोक सब हिनका गप में बझा क एटीएम कार्ड बदलि लेलक। दू दिनक बाद हवलदार जखन अपन एटीएम कार्ड देखला त हुनका बुझेलैन जे ई ए टी एम हुनकर नै छनि। हड़बड़ा क ओ अपन बैंक के खाता सर्च कयल तखन पता चलल जे खाता सँ 1 लाख 11 हजार रुपैयाक निकासी भ चुकल अछि। पुलिसक जांच में पता चलल जे पाई के निकासी एटीएम कार्ड सँ 40 हजार आ  अरवल के परासी थानाक बिचली मढ़िया निवासी सिद्धेश्वर गिरि के खाता में 71 हजार रुपैया ट्रांसफर भ चुकल अछि। एहि जांच में भेटल तथ्य के आधार बना क पुलिस आरोपी के गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस ओकरा स पूछताछ क रहल अछि। डीएसपी सुमित कुमार कहलनि जे आरोपी के सत्यापन भेला के बाद ओकर गिरफ्तारी अरवल सँ कयल गेल। आरो लोकक गिरफ्तारिक वास्ते ओकरा सँ पूछताछ कयल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments