कलाकार कयलनि प्रर्दशन, रोकलथि रेल

मधुबनी। रेलवे स्टेशन मधुबनी क चौदह हजार वर्ग फीट क्षेत्र केँ मिथिला चित्रकला   सँ सजाय स्वच्छता हेतु देश भरि मे दोसर स्टेशनक गौरव दियौनिहार कलाकार लोकनि मात्र पाँच कलाकार केँ दिल्ली बजाय प्रशस्ति पत्र आ पाँच लाख टाका क चेक देबाक विरोध में शुक्र दिन स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस गाड़ी कय दू घंटा धरि मधुबनी रेलवे स्टेशन पर रोकने रहलाह। संगहि दरभंगा- जयनगर सेहो रोकल गेल।बाद मे नगर थाना प्रभारी अरुण राय आ स्टेशन अधीक्षक श्री जगदंबा प्रसाद द्वारा कलाकार क माँग पत्र रेल मंत्रालय तक पहुँचेबाक आश्वासन देलाक बाद ट्रेन परिचालन शुरू भ सकल।
भेटल जानकारी अनुसार मधुबनी रेलवे स्टेशन परिसर मे कयल गेल चित्रकारी हेतु रेल मंत्रालय कलाकार सबकेँ पुरस्कार स्वरूप पाँच लाख टाका आ प्रशस्ति पत्र देबाक घोषणा क अनुपालन हेतु पछिला बृहस्पति दिन  जिला सँ  पाँच ग्रुप लीडर केँ दिल्ली बजाय रेल मंत्री श्री पियूष गोयल पांँच लाख टाका क चेक निशा कुमारी क नामे आ पाँचो कलाकार केँप्रशस्ति   देलनि।विरोध एतहि सँ शुरू भेल जे पेंटिंग मे ढ़ाई सय से अधिक कलाकार अपन योगदान कयलनि तखनि मात्र पाँच कलाकार केँ प्रशस्ति पत्र आ एकेटा कलाकार केँ चेक देब अनुचित थिक। हिनकर सबहक माँग अछि जे समूह केँ राशि आ प्रशस्ति पत्र देल जाय।
एहि आन्दोलन मे सैकड़ों महिला पुरुष कलाकार मिथिला स्टुडेंट यूनियन क नेतृत्व मे सम्मिलित छलाह। एम एस यू क नगर अध्यक्ष श्री विजय घनश्याम सब कलाकार केँ बराबरि सम्मानित करेबाक आ प्रेस कांफ्रेंस द्वारा जनता केँ सब जानकारी देबाक माँग कयलनि।कलाकारा विभाग,आकांक्षा,रानी,सबापरवीन,फहीम अर्जन,नीतू देवी, ममता देवी,उषा देवी, रमेश कुमार मंडल मंदिता देवी आदि रेल रोको आंदोलन मे शामिल छलीह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments