एपीएल श्रेणीक रोगी मंगनी मे पौताह डायलिसिस सुबिधा

पटना। आब एपीएल श्रेणीक रोगी सेहो सरकारी अस्पताल मे मंगनी मे डायलिसिस क सुबिधा पौताह।एखन तक मात्र बीपीएल परिवार क रोगी कय ई सुबिधा स्वास्थ्य विभाग देवाक निर्णय लेने छल। वर्ष २०११ क सामाजिक, आर्थिक आ जातिगत जनगणना क आधार पर तैयार सूची क अनुसार ई सुबिधा देल जायत।एखन एपीएल रोगी से ७५० टाका लेल जाइत छल।स्वास्थ्य विभाग क एहि प्रस्ताव कय स्वास्थ्य मंत्री श्री मंगल पांडेय स्वीकृति करैत वित्त विभाग केँ पठौलन्हि अछि।वित्त विभाग क स्वीकृति पश्र्चात कैबिनेट से स्वीकृत भेला संता मुफ्त डायलिसिस सेवा लेल टेंडर आमंत्रित कयल जायत। राज्य क तेरह जिला क सदर अस्पताल मे ई सुबिधा स्थापित अछि। श्रीकृष्ण मेडिकल कॉलेज मुजफ्फरपुर आ बर्द्धमान मेडिकल कॉलेज, पावापुरी सहित सात अन्य अस्पताल में ई मशीन लगयबा हेतु बी ब्राउन कंपनी संग करार कयल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments