गेट परीक्षा मे बिहारी अनूप कए भेटल देश भरि मे प्रथम स्थान

पटना । ग्रेजुएट एप्टीट्यूड टेस्ट इन इंजीनियरिंग (गेट) 2018 केर परिणाम बाहर आबि गेल अछि। गेट 2018 मे आर्किटेक्चर एंड प्लानिंग पेपरमे एनआईटी पटना केर पूर्ववर्ती छात्र अनूप भारती 79.33 प्रतिशत अंक प्राप्त कS देशभरिमे प्रथम स्थान प्राप्त कएलक अछि। अनूप केर पिताश्री अनिल केंद्रीय विद्यालय, बेली रोडमे शिक्षक अछि। अनूप नालंदाक गोमहर गामक निवासी अछि। ओतय छपरा केर दहियावांक निवासी आऔर नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ टेक्नोलॉजी पटनाक एमयूआरपी 2017-19 सत्र केर छात्र मो. आलम हसन अंसारी पूरा देशमे 73 मा रैंक प्राप्त कएलक अछि। हुनकर परीक्षा पेपर आर्किटेक्चर एंड प्लानिंग केर छल। तय तिथि सँ एक दिन पहिनहि परिणाम घोषित कएल गेल अछि। अहिबेर गेट केर आयोजन आईआईटी गुवाहाटी कएने छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments