मधुबनी मे सब तरहक ईलाज संभव करत क्रिब्स हॉस्पीटल

अजयधारी सिंह
मधुबनी । मधुबनी मे आब सब तरहक ईलाज संभव भ गेल। कोनो बीमारीक ईलाज लेल आब दरभंगा या पटना जेबाक मजबूरी नहि रहल। एक छतक नीचा तमाम तरहक ईलाज आ जांच करेबाक सुविधा से युक्त मधुबनीक सबस पैघ अस्पताल क्रिब्स हॉस्पीटलक उदघाटन रविदिन  बिहार पंचायती राज मंत्री कपिलदेव कामत केलथि। एहि अवसर पर मुख्य अतिथि छलाह पीएचइडी मंत्री विनोद नारायण झा।
सौ बेडक एहि हॉस्पीटलक उदघाटन के उपरांत श्री कामत कहला जे मधुबनी स्वास्थ्य क क्षेत्र मे काफी पिछडल अछि। एहन मे एहि तरहक अस्पताल इलाकाक लोक लेल एकटा जीवनदायनी संस्थान बनत। ओ कहला मधुबनी कए एहन अस्पतालक जरुरत छल। एतबा सुविधा स इ अस्पताल युक्त अछि जे ककरो आब मजबूरी मे बाहर जेबाक जरुरत नहि रहत। मधुबनीक एहि आधुनिक सब सुविधा स सुसज्जित अस्पताल मे गरीब स गरीब लोक कए इलाज हो सैह सबहक उम्मीद। एहि अवसर पर क्रिब्स हॉस्पीटलक चैयरमैन मोहम्मद ईमत्याज नूरानी कहला जे मधुबनी मे नीक अस्पताल क आश्वयकता कए देखैत एहि अस्पतालक निर्माण कैल गेल अछि। हॉस्पीटलक प्रबंध निदेशक डॉ खालिद अंजूम उसमानी व निदेशक एम नियाजी कहला जे मधुबनी मे उचित दाम मे सही ईलाज क एकटा संस्थानक निर्माण भेल अछि। सुविधा नहि रहबा स लोक कए टका रहैत ईलाज संभव नहि भ पबैत छल। हम सबहक नहि मुदा यथासंभव ओहन लोक कए ईलाज क सकब जेकरा सबकिछु रहैत मधुबनी मे ईलाज नहि भेट पाबि रहल छल। एहि अस्पताल मे सीटी स्कैन, एमआरआई, इको कार्डियोग्राफी, अल्ट्रासाउंड, पैथोलौजी, फारमेसी, ओपीडी, जेनरल सर्जरी, ऑर्थोपेडिक्स, फिजियोथरेपी, ईएनटी, न्यूरो और स्पाईन आफ थैलमोलॉजी, नेफरोलॉजी, पेडियट्रिक्स सहित आओर कई प्रकारक बीमारीक  ईलाज लेल सुविधा उपलब्ध अछि। अस्पताल कए अपन एम्बुलेंस अछि आ 24 घंटा सेवा उपलब्ध रहत।
उदघाटनक अवसर पर दरभंगाक पूर्व सांसद एम एएए फातमी, क्योटीक विधायक फराज फातमी, मधुबनीक पूर्व विधायक राजकुमार महासेठ, पूर्व जिला पार्षद कमरूल होदा, सिविल सर्जन डॉ अमरनाथ झा समेत आर बहुत गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here