देवघर मे एम्स लेल 1103 करोड़ भेल मंजूर

केन्द्रीय कैबिनेट देलक मंजूरी, 25 मई कए मोदी करताह शिलान्यास

मणिभूषण राजू

राँची । केन्द्र सरकार देवघर (बाबाधाम) मे एम्स हेतु मंजूरी देलक । प्रधानमंत्री क अध्यक्षता मे बुध दिन भेल कैबिनेट क बैसार मे एहि लेल 1103 करोड़ टका स्वीकृत कैल गेल । राज्य सरकार एहि लेल 236.92 एकड़ जमीन पहिने आवंटित कए देने छल ।

25 मई कए प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एकर शिलान्यास करताह । 45 महीना मे ई बनि कय तैयार भय जायत । एहि एम्स मे 750 बेड संगहि एकटा ट्रोमा सेंटर सेहो रहत । एहि क कुल लागत लगभग 1130 करोड़ होएत ।

एम्स मे स्थित मेडिकल कालेज मे हरेक साल 100 विद्यार्थी कए एमबीबीएस मे नाम लिखाओल जाएत । एहि मे नर्सिंग कालेज सेहो रहत जहिमे सालाना 60 छात्राक नामांकन भए सकत । एहिमे आवासीय सुविधा संगे 20टा अत्याधुनिक विभाग आ 15 टा आपरेशन थिएटर रहत ।

पारंपरिक चिकित्सा पद्धति क तहत 30 बेड बला आयुष विभागक स्थापना सेहो होएत । एहि सँ झारखंड विशेषकर संथाल परगनाक लोक सबकए विशेष लाभ होएत ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments