मोदी जेकां नीतीश सेहो चढता अगुस्टा वेस्टलैंड पर

agustaपटना । अगुस्टा वेस्टलैंड हेलिकॉप्टर डील पर एक दिस राजनीति गरमाईल अछि त दोसर दिस बिहार सरकार एकरा अपन बेरा मे शामिल करबाक फैसला लेलक अछि। बिहार सरकार सेहो वीवीआईपी गतिविधि लेल अगुस्टा वेस्टलैंड हेलिकॉप्टर किराया पर लेबाक फैसला केलक अछि। प्रधानमंत्री जेकां बिहारक मुख्‍यमंत्री सेहो एहि बहुचर्चित सुविधाजनक हेलिकॉप्टरक सेवाक लेलथि। राज्य सरकार लग एखन जे सरकारी हेलिकॉप्टर अछि ओ 30 साल स बेसी पुरान भ चुकल अछि। एहन मे राज्‍य कैबिनेट एहि प्रस्ताव कए मंजूरी द देलक अछि। किराया पर ले जा रहल एहि 7+2 हेलिकॉप्टर पर 5 साल मे करीब 93.15 करोड़ क खर्च आउत।
एहि स पूर्व सेहो राज्य सरकार हेलिकॉप्टर खरीदबाक प्रयास केने छल, मुदा गप नहि बनल। पूर्व प्रधानमंत्री क कोशिश क बाद बिहार आ यूपी सरकार लेल छह सीट क क्षमता क 2-2टा हेलिकॉप्टर कीनल गेल छल। जखनकि मध्यप्रदेश लेल एकटा हेलिकॉप्टर कीनल गेल छल।
गौरतलब अछि जे यूपीए सरकार क कार्यकाल मे अगुस्टा वेस्टलैंड स 12 वीवीआईपी हेलीकॉप्टर क सौदा भेल छल। इ सौदा करीब 3600 करोड़ मे भेल छल, मुदा एहि सौदा मे घोटाला क आरोप लागि रहल अछि। पूर्व वायुसेना प्रमुख एसपी त्यागी समेत 13 गोटे क खिलाफ केस दर्ज कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments