आदित्य एम्स परीक्षा मे २६ वाँ रैंक आनि केलक जिलाक नाम रोशन

मधुबनी। खजौली निवासी प्रदीप कुमार सिंह क पुत्र आदित्य सिंह अखिल भारतीय स्तर पर आयोजित प्रतिष्ठित एम्स क परीक्षा मे २६।वाँ स्थान लावि जिला क नाम उज्ज्वल कयलन्हि अछि। समाहरणालय मधुबनी मे अपर समाहर्ता कार्यालय म् कार्यरत श्री प्रदीप कुमार सिंह क पुत्र आदित्य सिंह होली कन्वेन्ट सीनियर सेकेंड्री स्कूल प्लस टू उच्च विद्यालय से १२वीं परीक्षा उत्तीर्ण कैयलथि आ १० वीं क परीक्षा आई.पी.एस स्कूल से पास कयलन्हि। नीट.क परीक्षा में हिनका ३०५वां रैंक छल जखन की मेडिकल परीक्षा में २५,वाँ। आदित्य क सफलता पर हुनक दादा नरसिंह प्रसाद सिंह, माता मधुबाला सिंह समेत समस्त परिवार प्रसन्नता व्यक्त कयलन्हि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments