भारंगम में शामिल भेल मैथि‍ली

aab-mani-jauनई दिल्ली । दस सालक मेहनत आखि‍र सफल भेल । मैथि‍ली आखि‍रकार भारत क प्रसिद्ध रंग महोत्सव ‘’भारंगम’’ (भार‍तीय रंग महोत्सव) में शामिल भए गेल । दिल्ली क सबसे चर्चित रंग संस्था मैलोरंग (मैथि‍ली लोक रंग) क ई सौभाग्य भेटल अछि ।

मैलोरंगक संस्थापक आ निर्देशक एहि विषय मे जानकरी दैत कहला जे 19म भारतीय रंग महोत्सव में मैथि‍ली क शामिल भेनाय मैलोरंग क लेल एकटा उपलब्ध‍ि अछि । 1 स 21 फरवरी तक होए बला भारतीय रंग महोत्सव मे पहिल बेर मैथि‍ली क शामिल कैल गेल अछि । मैलोरंग दिस स ‘’आबि मानि जाउ’’ नाटक देखाओल जाएत ।

ज्ञात होए जे अनिल चंद्र ठाकुर लिखि‍त उपन्यास ‘’आबि मानि जाउ’’ क दिल्ली मे चारि टा शो खचाखच भरल छलाह । एहि क ध्यान मे रखैत सेहो मैलोरंग क संस्थापक आबि मानि जाउ क प्रपोजल नेशनल स्कूल ऑफ ड्रामा क पठेने छल आ संजोग एहन जे ई शामिल भए गेल । निर्देशक प्रकाश झा एहि सफलता कए अपन व्यक्तिगत नहि मानि अपन संस्था आ अपन रंगकर्मी कए दैत छथि‍ । इसमाद मैलोरंग क एहि उपलब्ध‍ि पर सेहो शुभकामना दैत अछि ।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments